2 जनवरी सं ऑनलाइन भरल जायत मैट्रिक परीक्षा’क फॉर्म

    0
    526

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार बोर्डक मैट्रिक परीक्षा के लेल 2 जनवरी सं फार्म भरनाय शुरू भय जायत। बोर्ड परीक्षा फॉर्म भरबाक लेल शिड्यूल शुक्रदिन जारी कय देल गेल। बिहार मे मैट्रिक के परीक्षा 1 मार्च सं 8 मार्च धरि होयत। बोर्ड के अनुसार फॉर्म भरबाक शुरुआत 2 जनवरी सं होयत।

    बिना विलंब शुल्क के फॉर्म 11 जनवरी तक भरल जायत, जहन कि 12 स 16 जनवरी के बीच 100 रुपैया विलंब शुल्क के संग फॉर्म भरल जायत। परीक्षा फॉर्म ऑनलाइन माध्यम स भरल जायत आ अहिके जिम्मेदारी स्कूलक होयत।

    परीक्षा समितिक अध्यक्ष आनंद किशोर के अनुसार ऑनलाइन आवेदन के बाद सब स्कूलक प्राचार्य के 18 जनवरी तक जिला शिक्षा पदाधिकारी के कार्यालय मे सूची जमा करय पड़त। जिला शिक्षा पदाधिकारी के सूची आ फीसक रसीद 20 जनवरी तक बोर्ड कार्यालय मे जमा करेबाक लेल कहल गेल अछि।