सालक अंतिम दिन बिहार पुलिस मे फेरबदल, 240 अधिकारीक तबादला

    0
    284

    पटना, मिथिला मिरर: 2016 सालक आखिरी दिन बिहार पुलिस सेवा मे भारी फेरबदल कायल गेल। गृह विभागक द्वारा जारी अधिसूचना मे  राज्यक विभिन्न जिला के 240 अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी (SDPO) आ पुलिस उपाधीक्षक (DSP) के तबादला कय देल गेल।

    सब अधिकारी के तत्काल प्रभाव सं अगिला आदेश धरि नव पदस्थापनाक जगह पर योगदान देबाक लेल कहल गेल अछि।