मिथिलाक लोक कलाकेँ भेटत नव आयाम : जयंत सिन्हा

0
625

दरभंगा, मिथिला मिरर: पछिला कतेको सालसँ दरभंगा हवाई अड्डासँ हवाई सेवा शुरू करवाक माँग मिथिलावासी क’ रहल छलाह। कतेको सरकार आयल मुदा मिथिलाक एहि माँग पर कोनो विशेष ध्यान नै देल गेल। समय बदलल, सरकार बदलल आ एहि दिशामे किछु डेग बढ़ल। प्रधानमंत्री एकटा योजना पर बल देलनि जे देशक छोट-छोट शहरसँ सेहो उड़ान सेवा शुरू कएल जाए। एहि कड़ीमे दरभंगाकेँ सेहो जोड़ल गेल। 24 दिसम्बर 2018के दरभंगा हवाई अड्डा पर शिलान्यास कार्यक्रमकेँ संबोधित करैत केंद्रीय राज्य मंत्री जयंत सिन्हा कहलनि जे वर्तमान सरकार देशक अन्य-अन्य शहरकेँ हवाई सेवासँ जोड़वाक लेल काज क’ रहल अछि। दरभंगा एयरपोर्ट शुरू भेलासँ मिथिलाक विभिन्न जिलाके सेहो फायदा होयत संगहि मिथिलाक लोक कलाकेँ सेहो नव पहचान भेटत। एहि टर्मिनलकेँ एहि तरहसँ बनाओल जायत जे मिथिलाक विभिन्न लोक कलाकेँ नव आयाम भेट सकय। कलाकेँ माध्यमसँ एतयके संस्कृतिकेँ दर्शाओल जाएत। दरभंगा हवाई अड्डाक सिविल एन्केलवक शिलान्यास लेल बिहार सरकार आ रक्षा मंत्रालयकेँ सेहो धन्यवाद देबाक चाहि। सरकार आ कतेको लोकनिकेँ प्रयासक नतीजा अछि जे मिथिलावासीक सालो पुरान सपना पूरा होमय जा रहल अछि। सिन्हा कहलथि जे ओ अपना तरफसँ एकटा सुझाव आ तीनटा घोषणा क’ रहल छथि। सुझाव ई अछि जे  दरभंगा हवाई अड्डा टर्मिनलक नाम बाबा विद्यापति टर्मिनल रखबाक प्रस्ताव राज्य सरकार केंद्रकेँ भेजथि। एहिक अलावे तीनटा घोषणामे सँ पहिल अछि जे टर्मिनल निर्माणमे स्थानीय कलाकेँ जोड़ल जाए। संगहि कहला जे स्पाइस जेटक सीएमडी अजय सिंहसँ बातचीत भेल  आ हुनका मुताबिक दरभंगासँ 10-15 अतिरिक्त उड़ान सेहो चालू होयत। उड़ान योजनाकेँ आबयसँ एतय आर्थिक सम्पन्नता आओत। मिथिलाक जनसंख्याक एकटा पैघ हिस्सा परदेश वा महानगरमे रहैत अछि। एहि सेवाके शुरू होमयसँ हुनको लोकनिकेँ लाभ भेटतनि। दरभंगा हवाई अड्डेसँ व्यवसायिक परिचालन लेल राखल गेल नींव नै मात्र मिथिला क्षेत्रक उड़ानक दिशामे पंख लगाओत। अपितु दोसर दिश विकासक विभिन्न अवसर सेहो भेटत।

बतादी जे भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरणकेँ तरफसँ जारी विज्ञप्तिकेँ मुताबिक दरभंगा हवाई अड्डाक रनवे 9 हजार फुट लंबा अछि। जे एयर बस 321 जेहन विमानक प्रचालन लेल उपयुक्त अछि। परियोजनाक कुल लागत लगभग 100 करोड़ अछि। निर्माण कएल जाय वला टर्मिनल भवनक क्षेत्रफल 15 हजार वर्ग फुट होयत।