नहि रहला मैथिलीक प्रसिद्ध कवि-कथाकार आ स्वतंत्रता सेनानी उग्रनारायण मिश्र

    0
    319

    मधुबनी,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मिथिलासँ एकटा दुःखद खबरि आबि रहल अछि। मैथिलीक प्रसिद्ध कवि-कथाकार आ वयोवृद्ध स्वतंत्रता सेनानी उग्रनारायण मिश्रक 90 बरखक उम्रमे सोमदिन भोरे 6 बजे निधन भऽ गेलिन। हुनकर अंतिम यात्रा आइ हुनक पैतृक गाम दरभंगा जिलाक कमरंदा मे संध्या परह 7 बजे धरि हेवाक जानकारी साहित्यकार अजित आजाद बतौलनि अछि।
    उग्रनारायण मिश्रक किछु चर्चित रचना अहि प्रकारेंण अछिः-
    चनरी
    ज़ुबैदा
    हम नीलकंठ
    गोपालबाबू
    प्रेम……… सहित बहुत रास अन्य रचना सब
    साहित्यकार अजित कुमार आजाद साहित्य विधासँ जुड़ल लोक सबसँ आग्रह कैलनि अछि जे दिवंगत आत्माक अंतिम दर्शनमे बेसीसँ लोक सब सहभागी होइ। तहिना मिथिला-मैथिलीक प्रखर अभियानी किसलय कृष्ण सेहो उग्रनारायण मिश्रक निधन पर शोक जतावैत दिवंगत आत्माक चिरशांतिक लेल कामना कैलनि अछि।