मधुबनी मे मामा के गोली मारि कय हत्या केलक भागीन

    0
    273

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधेपुर थाना क्षेत्रक बाबूजीवन गाम मे दू टा संगीक सहयोग सं भागिन अप्पन मामा के गोली मारि कय हत्या कय देलक। घटना के कारण आपसी रंजिश बताओल जा रहल अछि। मृतकक पत्नी के बयान पर भागिन के संग-संग दू टा अज्ञात के खिलाफ प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि।

    घटना मंगलदिन राति 9.30 के ओहि समय के अछि, जहन मामा अप्पन घर मे सुतल छल। जानकारी के अनुसार, बावूजीवन गाम निवासी 40 वर्षीय दिनेश महतो पत्नी तथा दू वर्षीय बच्चीक संग बरामदा मे सुतल छल। अहि बीच तीन गोटे आंगन मे पहुंच कय ताबड़तोड़ तीन गोली चला देलक। जाहि सं दिनेश के घटनास्थल पर मौत भय गेल।
    घटना के सूचना पर बुधदिन भोर मे मधेपुर थानाध्यक्ष रामाशीष कामती तथा एएसआइ अभिमन्यु शर्मा पुलिस बलक संग मौक़ा पर पहुंच कय मामलाक जाँच केलनि। पुलिस लहास के पोस्टमार्टम के लेल मधुबनी पठा देलक अछि। घटना के बाबत मृतकक पत्नी रेणु देवी थाना मे प्राथमिकी दर्ज करौलनि।