बिजलीकें दाममे बढ़ोतरी’क खिलाफ विधानसभाक घेराव करत ‘जन अधिकार पार्ट’

    0
    249

    पटना, मिथिला मिरर: बिजली’क दाममे बढ़ोतरी आ बीएसएससी घोटालाक खिलाफ जन अधिकार पार्टी सोमदिन विधानसभा’क घेराव करत। पार्टीक संरक्षक आ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्‍पू यादव कहलनि जे, सरकार बिजलीक दाममे बढ़ोत्‍तरी कय जनता पर बोझ दए रहल अछि। जकरा पार्टी बर्दाश्त नहि करत। पप्पू यादव कहलनि जे, लोकक आजादी खतरामे पड़ि गेल अछि आ मौलिक अधिकारक हनन भए रहल अछि। एकर सुरक्षाक लेल निर्णायक संघर्ष जरूरी अछि।

    ओ कहलनि जे, भाजपा आ जदयू देशकें गुमराह कय रहल अछि। मुख्यमंत्री गांधी जीकें नाम पर अपन विफलताकें नुकेबाक प्रयास कए रहल छथि। सांसद कहलनि जे, बीएसएससी घोटालाक सीबीआई जांच हेबाक चाही संगहि मंत्री, विधायक आ अधिकारीक संपत्ति’क जांच सेहो हेबाक चाही।