20 हजार रुपैयाक संग पांच गोट लॉटरीबाज गिरफ्तार

    0
    320

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगामे एक नंबरी लॉटरी धंधेबाज पर पुलिसक सख्त भए गेल अछि। पांच गोट धंधेबाजकें लॉटरी बेचैत गिरफ्तार कएल गेल। आरोपीकें संग सं करीब 20 हजार रुपैया सेहो बरामद कएल गेल अछि। अपर पुलिस अधीक्षक दिलनवाज अहमद कहलनि जे, मौलागंजक एकटा चाह दोकानमे लॉटरीक धंधा चलि रहल छल। जकर सूचना भेटितहि पुलिसक छापेमारी केलक।

    ज्ञात हो कि दरभंगामे एक नम्बरी लॉटरी बहुतो जगह पर चलाओल जा रहल अछि आ ई दिनमे बहुतो बेर बिहारक बाहर सं फोनकय एकटा नम्बरकें एलान कएल जाइत अछि। जकरा बाद ओहि नम्बर सं खरीदल गेल लॉटरीके खरीदार लग जीतक नगदि पहुंचाएल जाइत अछि। अपर पुलिस अधीक्षक कहलनि जे, और बहुतो जगह पर छापामारी कएल जा रहल अछि।