निगम चुनावमे नेता सबहक कनियाँकें नहि भेटत टिकट : राहुल गांधी

    0
    287

    दिल्ली, मिथिला मिरर: कांग्रेस उपाध्यक्ष राहुल गांधी कहलनि जे, निगम चुनावमे नेता सबहक कनियाँकें टिकट नहि देल जाएत। ओ निगम चुनावमे सही प्रत्याशिकें टिकट देबाक आश्वासन देलनि अछि।

    रविदिन कांग्रेसक बहुतो महिला नेत्री सब राहुल गांधी सं भेंट केलनि। ओ सब राहुल गांधी सं कहलनि जे, बहुतो वर्ष सं कांग्रेस कार्यकर्ता बावजूद टिकट बटबारा समयमे नेता सबहक कनियाँकें टिकट भेटि जाइत अछि। अहि पर राहुल गांधी आश्वासन देलनि जे, हम स्वं अहि तरहक मामलाकें देखैत नेता सबहक कनियाँकें टिकट नहि देब।