ललित दिवस पर ललित सम्मान सँ सम्मानित हेताह अशोक झा

    0
    305

    दिल्ली-मिथिला मिररः मथिलालोक फाउन्डेशन दिल्ली, केर तत्वावधानमे आगामी दिनांक ०२ फरवरी, २०१७ यथा बुधदिन मिथिला-पुत्र एवं पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र जीकजन्मदिनक अवसर पर ललित-सम्मान समारोह आयोजित होमय जा रहल अछि। एहि सम्मान समारोहमे मिथिला-मैथिलीक सर्वांगीण विकास हेतु प्रतिबद्ध मैथिल सेनानीके ललित-सम्मान सँ सम्मानित करबाक व्यापक कार्यक्रम, वस्तुतः ललित बाबू द्वारा निर्गत कयल गेल मिथिलांचलक हेतु योगदान केर प्रति विनम्र आदरांजली होयत ।
    मिथिलाक सामाजिक, सांस्कृतिक, शैक्षणिक एवं आर्थिक स्वरूपकें जखन ज्ञानधारा रूपी शूक्ष्म बिम्ब सँ अवलोकित करैत छी, स्वतः शरीरक रोम-रोम रोमांचित होमय लगैत अछि एवं मिथिलाक भव्य अतीतक स्मृति आओर गौरवगाथा केर आह्लादक आलोकमे मैथिल-पुत्रक योगदानकें श्रद्धा-सुमनक संग-संग सम्मान अर्पित करबाक भाव जागृत होइत अछि। एहि क्रममे ललित बाबूकें स्मरण करब एवं हुनका प्रति सम्मान व्यक्त करब, एहि सँ पैघ बात आओर की भै सकैत अछि।
    ज्ञातव्य हो जे मिथिला विकास परिषद मधुबनी रेलवे स्टेशन प्लेटफॉर्म नं. १ पर ललित बाबू केर भव्य प्रतिमा स्थापित करबाक योजना बनौने अछि। एहि दिशामे ८० प्रतिशत कार्य सम्पन्न भै चुकल अछि। शेष बचल कार्य रेलवे द्वारा किछु तकनीकी जटिलताके कारणे पुरा हयब बांकी अछि जे शीर्धहिं समाधान हेबाक संभावना अछि। ललित बाबू केर प्रतिमा सेहो बनि चुकल अछि। एतदर्थ मिथिलालोक फाउन्डेशन द्वारा अशोक झाकें हुनक सक्रियता एवं प्रतिबद्धताक प्रति समर्पण हेतु सम्मानित करब समय-सापेक्ष अछि ।
    मिथिलालोक फाउन्डेशन केर सम्पूर्ण समर्पित पदाधिकारीकें हृदय सँ अभिनंदन ज्ञापित कै रहल छी जे ललित बाबू के स्मृतिमे वसंत पंचमीके पावन-दिवसक सुअवसर पर मैथिल सेनानीके ललित-सम्मान सँ सम्मानित करबाक वृहद कार्यक्रमक आयोजन कयलनि अछि। मिथिला विकास परिषद, कोलकाता केर अध्यक्ष अशोक झाके सम्मानित करब, परिषद परिवारक लेल गौरवक विषय थिक। मिथिला विकास परिषद, कोलकाता, अभिनंदन ज्ञापित करैत अछि मिथिलालोक फाउन्डेशन, दिल्ली एवं आयोजन समिति केर पदाधिकारीक प्रति जिनक खोजी ज्ञान चक्षु, मैथिलीक प्रति प्रतिबद्ध सेनानीके अन्वेषित कय समाजक मध्य अनुपम उदाहरण प्रस्तुत कयलनि अछि।
    (मुंबई सं मिथिला विकास परिषद्क राष्ट्रीय प्रवक्ता राजकुमार झाकें द्वारा पठाओल गेल समाज पर आधारित इ लेख)