समस्तीपुर मे पत्नी केलक नाजायज संबंधक विरोध त पति देलक मौतक सजा

    0
    285

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे एकटा पत्नी के अप्पन पति के नाजायज संबंधक विरोध करबाक कीमत जान दय कय चुकाबय पड़ल। मामला अंगारघाट थाना क्षेत्रक विरनामा तुला गाम के अछि, जतय पति भोरे-भोर पत्नी के घरक समीप खेत मे लय जा गला रेत कय निर्मम हत्या कय देलक। अहि मामला मे पुलिस आरोपी पति चन्दन दास के गिरफ्तार कय लेलक अछि।

    परिजनक कहब अछि जे, मृतक पूनम देवी पिछला कई महिना सं अप्पन पतिक अवैध सम्बन्धक विरोध कय रहल छल। बताओल जा रहल अछि जे, पति के कोनो दोसर लड़कीक संग अवैध सम्बन्ध छल आ मना करबा पर बराबर मारि पीट कय प्रताड़ित करैत छल। सोमदिन राति जहन एक बेर फेर दूनू मे विवाद भेल त पति दरिंदगीक सबटा हद पार कय गेल आ पूनम के गला रेत कय हत्या कय देलक।

    ग्रामीणक सूचना पर पहुंचल पुलिस लहास के कब्ज़ा मे लय पोस्टमार्टम के लेल सदर अस्पताल पठा देलक आ हत्याक आरोप मे गिरफ्तार पति स पूछताछ कय रहल अछि।