मुजफ्फरपुर निकाय चुनावक लेल तैयारी पूरा, रविदिन होएत मतदान

    0
    269

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: 21 मई कए होबए वला नगर निगम नगर निकाय चुनावक लेल मुजफ्फरपुरमे सब प्रशासनिक तैयारी पूरा कए लेल गेल अछि। शांतिपूर्ण आ निष्पक्ष चुनावक लेल प्रशासन नगर निगम क्षेत्रमे 177 बूथकें संवेदनशील घोषित केलक अछि, जहन कि नगर निकायके लेल कांटीमे तीन आ मोतीपुरमे 5 बूथकें संवेदनशील घोषित कएल गेल अछि।

    राज्य चुनाव आयोगक निर्देश पर निगम क्षेत्रक चारि बूथक जगह बदलल गेल अछि। प्रशासन अपराधिक छवि वला 46 प्रत्यासी पर विशेष नजरि रखने अछि।

    चुनावक लेल 1055 लोकक खिलाफ धारा 107के तहत कारवाई कएल गेल अछि। संगहि 735 आर्म्सक सत्यापन कराओल गेल अछि। वोटरक लेल सब बूथ पर शेड, पीबाक पानि आ शौचालयकें व्यवस्था कएल गेल अछि।