आब योग्य निर्दलीय उम्मीदवारक़ ताकमे भाजपा

    0
    262

    दिल्ली, मिथिला मिरर: लाख कोशिशक बावजूद भाजपा अपन छह गोट प्रत्याशिक़ नामांकन नहि बचा सकल। जाहि वार्डमे पार्टी उम्मीद्वारक नामांकन रद्द भेल अछि, आब पार्टी ओहि वार्डमे योग्य निर्दलीय उम्मीदवारक खोज शुरू कय देलक अछि।

    दू टा अन्य वार्डमे सेहो भाजपाक मुख्य प्रत्याशिक नामांकन पत्र रद्द भेल अछि, मुदा ओतय वैकल्पिक उम्मीदवार बचल अछि। ओतहि प्रत्याशिक नामांकन रद्द भेला सँ पार्टी हाईकमान नाराज अछि, आ भविष्यमे एहेन लापरवाही नहि हो, ताहि लेल चुनाव प्रबंधनक खामी दूर करबाक लेल कहल गेल अछि।

    अपन प्रत्याशिक नामांकन बचेबाक लेल भाजपा नेता बुधदिन सँ दौड़-भाग कय रहल छल, जाहि प्रत्याशिक नामांकन खतरामे पड़ल छल, ओकर सहायताक लेल वकील पठाओल गेल छल। अनुभवी नेता सेहो कोशिशमे छल जे, कोनो तरहे नामांकन पत्रक त्रुटिकें दूर कय ओकरा रद्द हेबा सं बचाओल जा सकए।

    अब भाजपा अपन सहयोगी शिरोमणि अकाली दल प्रमुख बादलक संग 272कें बजाय 267 वार्डमे चुनाव लड़त। जाहि छह वार्डमे भाजपाक प्रत्याशी बाहर भेल अछि, ओतय ओ कोनो निर्दलीय या कोनो छोट पार्टीक उम्मीदवारकें समर्थन देबा पर विचार कय रहल अछि।