स्वराज इंडिया पार्टीकें 24 गोट प्रत्याशिक नामांकन रद्द

    0
    636

    दिल्ली, मिथिला मिरर: निगम चुनावमे पहिल बेर चुनाव लड़ि रहल स्वराज इंडियाक 24 प्रत्याशीक नामांकन तकनीकी कारणक चलते रद कय देल गेल। अहि प्रत्याशीमे 13 महिला सेहो शामिल अछि। स्वराज इंडियाक प्रवक्ता अनुपमकें नामांकन रद करबाक अजीबो-गरीब कारण बताओल गेल अछि।

    एक महिला प्रत्याशी महिला आ पुरुष बतेबाक लेल बनल एकटा कॉलममे टिक नहि कएल गेल। एकटा प्रत्याशीक नामांकन अहि दुआरे रद कएल गेल अछि, कियैक तओ सब जगह हस्ताक्षर केलनि मुदा एक ठाम नहि केलनि। दू गोटेक फॉर्ममे दस प्रस्तावकके हस्ताक्षरमे एक गोटेक हस्ताक्षर नहि भेल, ताहि कारने नामांकन रद्द कएल गेल।

    किछु प्रत्याशीक नामांकन अहि लेल रद्द भेल कियैक तओ अपन दस प्रस्तावककें संग गेल छल, जाहिमे आरओ (रिटर्निग आफिसर) के समक्ष हस्ताक्षर कराओल गेल, मुदा ओकरा सबके भीतर नहि जाए देल गेल जाहि सँ नामांकन रद्द भए गेल।

    तकनीकी रूप सँ स्वराज इंडिया पार्टीकें चुनाव लड़बाक लेल समान चुनाव चिह्न नहि देल गेल। अहि कारने चुनाव मैदानमे उतरल प्रत्याशी एकटा निर्दलीय जेना नामांकन पत्र दाखिल केने छल। बृहस्पतिदिन ओहि समय सब प्रत्याशी स्वराज इंडियाक अध्यक्ष योगेंद्र यादवके नेतृत्वमे शिकायत लय दिल्लीक चुनाव आयुक्त एसके श्रीवास्तव सँ भेंट केलनि अछि।