प्रखंड मुख्यालय पर आंगनवाड़ी सेविका-सहायिकाक धरना प्रदर्शन

    0
    299

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: आंगनवाड़ी सेविका-सहायिका अप्पन मांगक लेल शुक्रदिन सदर प्रखंड मुख्यालय पर धरना देलनि। आंदोलनकारीक मांग छल जे, आंगनबाड़ी सेविकाक सेवा नियमित कएल जाए तथा फिलहाल राज्य सरकार केंद्र सरकार द्वारा देल गेल मानदेयकें अतिरिक्त सेविकाकें 18000 एवं सहायिकाकें 12,000क भुगतान सहित राज्यमे चयनमुक्त सेविकाकें चयन मुक्ति आदेश रद्द करबा आ वर्षो सँ लंबित मानदेयकें भुगतान कएल जाए।

    आॅनलाइन मानदेय भुगतान प्रक्रियाक मजबूती, ससमय मानदेयकें भुगतान सेहो मुख्य मांगमे शामिल अछि। धरना पर बैसल सेविका आ सहायिकाकें सीटू जिला सचिव हर्ष नारायण झा कहलनि जे, योग्य सेविकाकें शत प्रतिशत महिला पर्यवेक्षिकाक पद पर तथा सहायिकाके पद पर नियमित नियुक्ति कएल जाए।

    पोषाहारक राशि ससमय एवं बाजार मूल्य पर देल जाए, प्रसव एवं मौसमी अवकाशक अतिरिक्त राज्य सरकार द्वारा घोषित सब अवकाश सेविका-सहायिकाकें देल जाए सेविकाकें अतिरिक्त काजक लेल अतिरिक्त राशिक भुगतानक व्यवस्था हो तथा मिनी आंगनवाड़ीकें पूर्ण आंगनवाड़ीक दर्जा देल जाए।