जल्दिये चालू भ’ सकैत अछि लोहट आ सकरी चीनी मिल

0
1216

मधुबनी, मिथिला मिरर : कुसियारक नाम सुनिते मूहमे पानि आबि जायत अछि। मोन पड़ी जायत अछि कुसियारक खेत। एकटा समय छल जखन मिथिलाक कतेको जिलामे कुसियारक खेती होइत छल आ ओहि कुसियारकेँ कारण कतेको चीनी मिल चलैत छल। कुसियार नगदी फसलक रूपमे जानल जायत अछि। कुसियारक खेती करय वला किसान सभक लेल एकटा खुशखबरी अछि। दशकोंसँ बंद पड़ल लोहट आ सकरी चीनी मिल फेरसँ चालू होयत एहन बुझना जायत अछि। किसानक आमदनीमे कुसियारक खेती मिठास घोड़त। हजारों हेक्टेयरमे किसान कुसियारक खेती क’ अपन आमदनी बढ़ा सकैत छथि। दुनू मिलकेँ चालू करबाक दिशामे पहल शुरू भ’ चुकल अछि। जल्दिये एहि पर मोहर लागी जायत एहन उम्मीद कएल जा रहल अछि। एहिसँ सैकड़ों लोकक लेल रोजगार सृजन होयत, आ किसान सभ सेहो लाभान्वित हेताह।

डीएम शीर्षत कपिल अशोक गन्ना उद्योग विभागक प्रधान सचिवकेँ सालोंसँ बंद पड़ल दुनू चीनी मिलकेँ चालू करबाक लेल चिठ्ठी लिखलनि अछि। अपन चिठ्ठीमे डीएम लिखलनि अछि जे मधुबनी जिलामे करीब 2000 हेक्टेयरमे कुसियारक खेती होइत अछि। मुदा कुसियार बेचबामे किसानकेँ बहुत रास दिक्कत होइत छनि। उत्पादनक लागतकेँ मुताबिक उचित मूल्य नहि भेटी रहल अछि। जिला स्तरीय कृषि टास्कफोर्सक बैठकमे किसान लोकनिक माँग रहैत छनि जे दुनू मिलकेँ चालू कएल जाय। एहनमे कुसियार उत्पादक किसानक हितमे उत्पादित कुसियारक ब्रिकीक समस्याकेँ दूर करबाक लेल दुनू मिलकेँ चालू करबाक अनुरोध कएल गेल अछि। जँ सभ किछु ठीक-ठाक रहल त’ जल्दिये दुनू चीनी मिलकेँ चालू करबाक प्रस्ताव पर मोहर लागी सकैत अछि।

सकरी आ लोहट चीनी मील चालू होइते मधुबनी जिलामे कुसियारक खेती बढ़ी जायत। हालाँकि जहियासँ मिल बंद भेल कुसियारक खेतीमे दिनोदिन कमी अबैत गेल। मुदा जँ दोबारा मिल चालू होयत त’ लगैत अछि फेर जिलाक किसान सभ कुसियारक खेती केनाय शुरू करत। किसान सेहो एहन तरहक नगदी फसल उपजेबामे अधिक रुची लेताह। ई त’ तय अछि जँ मिल चालू होयत त निश्चित रुपें किसान समृद्ध होयत। जिला कृषि पदाधिकारी सुधीर कुमार बतौलनि जे डीएम साहब कुसियार उपजाबै वला किसान सभक आय बढेबाक लेल दुनू चीनी मिलक प्रस्ताव प्रधान सचिवकेँ पठा चुकल अछि। एतयकेँ किसान सेहो कुसियारक खेतीमे रुचि रखैत छथि। एहनमे चीनी मिल चालू भेलासँ एतयकेँ किसान लेल मीलक पाथर साबित होयत।

जनतब होयत जे जयनगर प्रखंडक गन्ना उत्पादक किसानक करीब 10 हजार क्विंटल कुसियार नेपाल खरीदवासँ मनाही क’ देलक अछि। नेपालक चीनी मिल प्रबंधक भारतकेँ कुसियारक अधिग्रहण करबासँ साफ मना क’ देलक। एहिसँ जुड़ल किसान सभ कतेको दिन धरि आंदोलन कएलक। तखन जा रीगा मिलकेँ किसान सभ कुसियार खरीदबाक लेल राजी करेलनि। तखन जा किसानक जानमे जान आयल। हालाँकि एहि दौरान समय लगबाक कारण कुसियारक वजनमे सेहो कमी आयल अछि। मुदा बहुत हद धरि किसान घाटासँ बचि गेल।