पटना पहुँचलाह जेपी नड्डा, एनडीए मे रहत लोजपा, सीटक बँटवारा पर कोनो विवाद नहि : देवेंद्र फडणवीस

0
592

पटना,मिथिला मिरर : बिहार मे चुनाव केँ मद्देनजर चुनावी हलचल तेज भ’ गेल अछि। बिहारक दुनू प्रमुख गठबंधन अपना-अपना हिसाब सँ चुनावी तैयारी में जुटी गेल अछि। एतबे नही हरेक राजनीतिक दल सेहो चुनावी रेस में शामिल भ’ जनताक वोट कोना बटोरी ओकर जुगाड़ में लागी गेल अछि। किछु दल वर्चुअल रैलीक माध्यम सँ चुनावी बिगुल सेहो बजा चुकल अछि। एहन में भाजपा कोना पाछू रहत। भाजपाक शीर्ष आलाकमान लोकनि सेहो पटना पहुँच चुकल छथि। अपन दू दिवसीय कार्यक्रम केँ तहत भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा, बिहार चुनाव केँ प्रभारी देवेन्द्र फडणवीस आ भूपेंद्र यादव सेहो पटना पहुँची चुकल छथि। महाराष्ट्र केँ पूर्व मुख्यमंत्री आ बिहार विधानसभा चुनावक प्रभारी देवेंद्र फडणवीस अबिते चुनावक गोटी सेट क’ देलाह। कहला एनडीए केँ भीतर कोनो तरहक विवाद नहि अछि। जहाँ तक सीटक बँटवारा केँ बात अछि जल्दिए समाधान निकालि लेल जायत आ तीनू दल पहिने जकाँ मिल चुनाव लड़्त आओर एही चुनाव में महागठबंधनक सफाया भ’ जायत।

फडणवीस कह्लनी हरेक दलक अपन आवश्यकता होइत छैक आ समयनुसार प्रकट करैत अछि। एकर मतलब ई नहि जे कियो अलग छथि। अगर तीनों दलक विचारधारा एक होइत त’ हम तीन एके होइतहूँ। एक संगे बैस हरेक मुद्दा केँ सुलझा लेल जायत। फडणवीस विपक्ष पर हमला करैत कहलाह हमरा पर विपक्ष गलत आरोप लगा रहल अछि। सुशांत कोनो चुनावी मुद्दा नहि अछि। बिहारक बेटा छल। हुनक निधन केँ बाद जाहि तरहक खुलासा भ’ रहल अछि निश्चित रूप सँ सच बाहर एबाक चाही। सुशांत के न्याय भेटबाक चाही।

दोसर दिस भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा शुक्रदिन साँझ मे पटना पहुंचला। हवाईअड्डा पर प्रदेश अध्यक्ष संजय जायसवाल आ बिहारक उप मुख्यमंत्री सुशील मोदी हुनक स्वागत कएलनि। ओतय सँ ओ सीधे पार्टी दफ्तर लेल रवाना भ’ गेलाह। बतादी जे भाजपा प्रदेश कार्यालय मे नड्डा चुनाव संचालन समितिक बैसार के अध्यक्षता करताह।

भाजपा सूत्र केँ जँ मानी तनड्डा शनिदिन भोर 9 बजे पाटनदेवी मंदिर जेताह। तकरा बाद 12 बजे पार्टी दफ्तर मे पदाधिकारिगण संग चुनावी तैयारी केँ समीक्षा करताह। अखन धरि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सँ भेँट करबाक कोनो समय निश्चित नहि कएल गेल अछि। हालांकि, अनुमान लगाओल जा रहल अछि जे मंदिर सँ घुरती काल मुख्यमंत्री सँ भेँट क’ सकैत छथि। एहन खबरि भेट रहल अछि जे नीतीश आ नड्डा केँ बीच मुलाकात मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ सीट शेयरिंग पर फाइनल डील भ’ सकैत अछि। जनतब होयत जे चिराग केँ बयानक बाद एनडीए में गर्मा गर्मी के बीच ई पहिल मौका होयत जखन भाजपा आ जदयू अध्यक्ष एक संगे बैसताह।

बतादी जे लोजपाक जदयू केँ खिलाफ उम्मीदवार देबाक प्रस्ताव पार्टी संरक्षक आ राष्ट्रीय अध्यक्ष केँ द’ देने अछि। एहन में जेपी नड्डा केँ नीतीश कुमार सँ भेँट बहुत बेसी अहम मानल जा रहल अछि। एखन सीट केँ ल’ भाजपा आ जदयू के बीच सेहो गतिरोध कायम अछि। नड्डा-नीतीश केँ मुलाकात सँ कतेको तरहक गतिरोध खत्म हेबाक आसार बनि रहल अछि।