रालोसपा केँ लागल पैघ झटका, उपेंद्र कुशवाहा केँ करीबी आ पार्टिक प्रवक्ता अभिषेक झा देलनि इस्तीफा

0
946

पटना, मिथिला मिरर : बिहार चुनाव में छोट दलक अरमान पैघ छनि एहन कहबा में कोनो अतिशयोक्ति नहि। महागठबंधन में शामिल दलक स्थिति किछु एहन अछि जे सीट बँटवारा केँ ल’ उहापोह केँ स्थिति बनल छैक। एहन में पार्टी के भीतर सेहो अंदरूनी कलह शुरू भ’ चुकल अछि। एही बीच एकटा पैघ खबरि पटना सँ भेट रहल अछि। खबरि केँ मुताबिक उपेंद्र कुशवाहा के बेहद करीबी आ पार्टी के प्रदेशक मुख्य प्रवक्ता अभिषेक झा इस्तीफा द’ देलनि अछि। इ रालोसपा लेल बिहार विधानसभा चुनाव सँ पहिने बड़का झटका मानल जा रहल अछि। रालोसपा केँ मुख्य प्रवक्ता अभिषेक झा एही संबंध में पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा कें चिठ्ठी लिख बिहार प्रदेशक मुख्य प्रवक्ता पद आ पार्टीक प्राथमिक सदस्यता सँ इस्तीफा देबाक संबंध में जानकारी देलनि।

अभिषेक झा अपन चिठ्ठी में लिखलनि अछि जे राष्ट्रीय लोक समता पार्टी अपन निर्माण काल सँ विभिन्न तरहक जनहित सँ जुड़ल मुद्दा केँ ल’ संघर्ष क’ रहल छल। उपेन्द्र कुशवाहा के संबोधित करैत कहलनि अछि जे राज्यक जनता अपनेक बुद्धिजीवी विद्वान प्रोफेसर आ नेता के रूप में जनैत अछि। केंद्रीय राज्यमंत्री हो वा नेता प्रतिपक्ष सभ तरहक जिम्मेवारी अपने निर्वहन केलहूँ। मुदा वर्तमान परिवेश में एहन लगैत अछि जे एही गठबंधन में  हमर सभक राजनीति 9वीं पास वा फेल नवोदित नेता केँ दुआरि पर ठाढ़ अछि।

अपन चिठ्ठी केँ माध्यम सँ अभिषेक कहलनि अछि जे राजनीतिक पार्टी के रूप में हमरा सभक लेल सभसँ जरूरी अछि जे जनताक मुद्दा उठाबी। मुदा एही गठबंधन में रही इ करब संभव नही अछि। एतबे नही पार्टी के भीतर सेहो कतेको बेर अनेक विषय पर हमर राय के अनदेखा कएल गेल। एहन परिस्थिति में सम्मानक संग समझौता क’ राजनीति करब हमरा लेल संभव नही अछि। एही कारण हम पार्टीक मुख्य प्रवक्ता पद आ प्राथमिक सदस्यता सँ इस्तीफा द’ रहल छी।

आब देखबाक बात इ अछि जे रालोसपा सँ इस्तीफा देबाक बाद अभिषेक झा कोन दल में शामिल हेताह। चुनावी साल छैक चुनाव लड़बाक लालसा सभके रहैत छैक। एहन में की कतहूँ सँ चुनाव सेहो लड़ी सकैत छथि। इ त’ आबय वला समय बताओत।