आँगनबाड़ी सेविका-सहायिकाक मानदेयमे भेल बढ़ोतरी

0
402

पटना, मिथिला मिरर : मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ अध्यक्षतामे 19 दिसम्बरकेँ बिहार कैबिनेटक बैठकमे एकटा पैघ फैसला लैत आँगनबाड़ी सेविका आ सहायिकाक मानदेयमे वृद्धि करबाक प्रस्तावकेँ मंजूरी द’ देलनि। आब सहायक सेविकाकेँ 3500 के बदला 4500 रुपैया, आ सहायिकाकेँ 2250 सँ बढ़ा 3500 रुपैया केलनि अछि। एहि मंजुरिक बाद 1.60 लाख सेविका, सहायिकाकेँ लाभ भेटत। पूरा बिहारमे 92 हजार आँगनबाड़ी, मिनी आँगनबाड़ी केंद्रमे सेविका, सहायिकाकेँ 2.21 लाख पद स्वीकृत अछि मुदा वर्तमान समयमे 1.60 लाख सेविका, सहायिका काज क’ रहलिह अछि।  केंद्र सरकार 20 सितंबर 2018 केँ आँगनबाड़ी सेविका आ सहायिकाक  मानदेयमे बढ़ोतरी करबाक फैसला करैत एहि संबंधमे आदेश जारी केने छल। संगहि राज्य सभकेँ निर्देश देने छल जे बढ़ल मानदेयक भुगतान दस अक्टूबर 2018 सँ कएल जाए।

फैसलाकेँ प्रभावी भेलाक बाद आँगनबाड़ी सेविका सभकेँ हरेक मास 45 सौ रुपैया भेटत। बतादी जे पहिने तीन हजार रुपैया भेटैत छल। मिनी आँगनबाड़ी केंद्रक सेविका सभकेँ 35 सौ आ सहायिकाकेँ 2250 रुपैया भेटत। सुचारू तरीकासँ केंद्रक संचालन करय वाली सेविकाकेँ प्रोत्साहन रुपें 250 आओर देल जेतनि। मानदेय बढलासँ राज्य सरकारकेँ हर साल 55.58 करोड़ रुपैयाक अतिरिक्त खर्च वहन करय पड़तनि।

आँगनबाड़ी कार्यकर्ता सभ खोलने छलिह मोर्चा
बतादी जे आँगनबाड़ी कार्यकर्ता सभ बेर-बेर मानदेय बढेबाक लेल सरकारक खिलाफ मोर्चा खोल देने छल। हुनक माँग छल जे बढ़ैत महंगाईकेँ देखैत सरकार मानदेय बढ़बैय आ नौकरी स्थायी करैथि, नहि त’ आवय वला चुनावमे एनडीए सरकारक खिलाफ वोट करब। एहि तरहक दबाब के कारण बिहार सरकार जल्दिए हुनक लोकनिक माँग मानि लेलनि आ माँग पूरा क’ देलनि जकरा बाद आंगनवाड़ी सेविका सभमे खुशिक माहौल देखल जा रहल अछि।