भागलपुर मे नर्सिंग के छात्रा लगौलक फांसी

    0
    344

    भागलपुर, मिथिला मिरर: जवाहर लाल नेहरू मेडिकल कॉलेज अस्पताल स्थित हॉस्टल मे नर्सिंग दोसर सालक छात्रा आभा सिंह अप्पन कमरा मे फंदा सं लटकि कय आत्महत्या कय लेलक। बृहस्पति दिन दुपहर लगभग साढ़े तीन बजे घटनाक सूचना भेटला पर कमराक दरवाजा तोड़ि कय लहास के बाहर निकालल गेल।

    छात्राक लहास के एक्स-रे रूम के समीप काफी देर तक राखल गेल। बाद मे पोस्टमार्टम हाउस पठा देल गेल। ओतय मौजूद अन्य छात्रा कहलनि जे, दरबाजा खटखटेला पर कोनो जवाब नहि एला सं बगल के कमरा सं ओहि कमराक खिड़की मे झांकल गेल, त देखल गेल कि ओ पंखा सं लटकि रहल अछि।

    आभाक पिता उदय कुमार सिंह बिजली विभाग मे ठीकेदारी करैत छथि। आभाक पैघ बहिन आशा अस्पतालक मानसिक विभाग मे नर्स अछि। आशा कहलनि जे, मांक फोन इलाके बाद हम अस्पताल पहुंचलहू। ओ 19 दिसंबर स छुट्टी पर छल। जा धरि ओ हॉस्टल पहुंचल टा धरि आभाक लहास कमरा सं बाहर निकालि देल गेल छल।
    पुलिस आ परिजन के पहुंचला सं पहिने लहास के फंदा स उतारि कय कमरा सं निकालि देल गेल छल। पुलिस मामलाक छानबीन कय रहल अछि।