सोच परिवर्तनसँ भ’ सकैत अछि शौचालयक निर्माण : अनुमंडल पदाधिकारी

0
384

मधुबनी, मिथिला मिरर : मधुबनी जिलाक ब्रम्हपुरा पंचायतकेँ  चतरा गामक मध्य विद्यालय परिसरमे सोमदिन 27 अगस्तकेँ लोहिया स्वच्छता अभियानक तहत शौचालय निर्माण आ अन्य योजनाक मादे  मुखिया अजित पासवानक अध्यक्षतामे ग्रामीण सभक बैठक भेल। बैठकमे अनुमंडल पदाधिकारी मुकेश रंजन कहलथि जे खुलामे शौच कलंक अछि आ शौचालय प्रतिष्ठासँ जुड़ल अछि। अपन सोच परिर्वतन करू शौचालयक निर्माण कुनो पैघ बात नै। शौचालय निर्माणक लेल एक्शन मुडमे काज करबाक अछि। वार्ड स्तर पर ओडीएफ घोषित करबाक लेल  शौचालय निर्माणमे तेजी आनय पड़त। शौचालय निर्माणमे लापरवाही बर्दाश्त नहि कएल जायत। सरकार शौचालय निर्माणक लेल अनुदान द’ रहल अछि आ राशिक कोनो कमी नहि अछि, जरूरत अछि गाममे नीक माहौल बना शौचालय निर्माण करा वार्ड सभकेँ ओडीएफ घोषित करबाक। लाभार्थी सभकेँ शौचालय निर्माण जांचक बाद त्वरित भुगतान क’ देल जायत। बैठककेँ संबोधित करैत एसडीएम कहलाह जे जाहि तरहें घरमे टीवी, मोबाइल, जरूरी अछि ओहि तरहें स्वास्थ्य आ बीमारीसँ निजातक लेल शौचालय निर्माण आवश्यक अछि। ब्रम्हपुरा पंचायतकेँ विकसित आ ओडीएफ घोषित करबाक लेल विशेष रूपसँ गोद लेल गेल अछि। बैठकमे बीडीओ मनोज कुमार, मुखिया अजित पासवान, अमोला देवी, सरपंच रामदेव यादव, श्याम कुमार झा, त्रिभुवन चौधरी, मंगनू यादव, भरत साह, साधु दास, अजय कुमार झा, छोटकन राम, रामखेलावन मरर, रामजी दास, सीताराम दास सहित कतेको लोक अपन विचार प्रकट केलनि ।