गर्व करब की माथा पीटब? काली कान्त झा “तृषित”

    0
    402

    नेपालक बर्तमान सरकारक कार्यकालक ६ महिना २०७२ चैत्र २५ गते बीतला पर प्रधानमंत्री के ॰पी॰ ओली देशवासीक नाम मे सम्बोधन कएने छलाह तकरा १५ दिनक बाद एहि ६ महिनाक उपलब्धि के औपचारिक रूपें सार्बजनिक करैत बिरूदावली गाबए बला सभ के, सरकारक उपलब्धि के खूब बढ़ा चढ़ा कऽ बखान करबाक हेतु बिशेष रूपे सकृय कएने छथि| ओहो लोकनि उत्साहित भऽ कऽ एहि कार्य मे जूटि गेलाह मुदा कोनो ठोस कार्य प्रगति नहि भेटलाक कारण जे जतेक कार्य योजना आ विविध प्रोग्राम जे बनाओल जा रहल छैक तकरे सभके उपलब्धि मे गना रहल छैक जाहि स स्वत: उपहासक पात्रक रूप मे चित्रीत करा रहल छन्हि| उपलब्धिक ढोल आ वास्तविकताक पोल के उदाहरण देखू, भूकम्प पीड़ित सभक हेतु राहत एवं उद्धारक लेल युद्ध स्तर मे पुनर्निर्माण कार्य सम्पन्न करबाक हेतु सब स्रोत साधन एवं अरबौं रकम हाथ मे रहितहुँ पुरे एक बर्षक समय बीतलो पर एकहु टा घरक निर्माण कार्य सम्पन्न नहि भ सकल छैक तहन आब कहू जे एहि स बेसी सरकारी अकर्मण्यताक प्रमाण और की हएतै ? चारू भर सरकारक नालायकी आ निकम्मापन पर थू थू भ रहल छैक लेकिन सरकार पुनर्निर्माण प्राधिकरण मे अपन आस पासे सभके नियुक्त कऽ देनाइ के उपलब्धि मे गना रहल छैक|

    सरकारक दोसर जे उपलब्धि छन्हि से बिना सरकार के झुकने, बिना कोनो समझौता कएने मधेस आन्दोलन समाप्त भ गेलै| सरकारक एहि दृष्टि दोष के त कोनो इलाज नहि छैक| तूफान आबऽ सँ पहिने के मौन वाताबरण के नजरअंदाज करब बुद्धिमानी नहि होइत छैक| ओलीजी जनता के दिगभ्रमित करा देबऽ मे सिद्धहस्त छथि| भारत बिरूद्ध बिषबमन करैत हवा सँ बिजली, पाइप लाइन स घर घर मे ग्यास, अन्तरिक्षे सँ उड़ा कऽ आनि कऽ डीजल आ पेट्रौल के आपूर्ति व्यवस्था सहज कऽ देबाक बात कहैत ककरो आगा नहि झूकब से सुनबैत रहैत छथिन्ह, हुनका हिसाबे एहि सँ राष्ट्रीयताक सम्बर्धन अकाश लागी गेल छैक| परोक्ष मे भारत के गरिअबैत भेटला पर चाकड़ी करैत ८० मेगावाट विजली जे आयात कएने छथि सेहो महत्वपूर्ण उपलब्धि मे गनाओल जा रहल छैक|देशक आधा जनसंख्या बेढंगा सम्बिधानक प्रति असन्तुष्टि व्यक्त करैत आन्दोलनरत छैक तकर समाधानक हेतु एखन तक सार्थक बार्ता तक के पहल नहि कऽ सकल छथि| अहू प्रसंग मे किछु विधेयक प्रति स्वेच्छाचारीढ़ंग सँ सैद्धान्तिक सहमति के उठाओल प्रसंग सेहो उपलब्धिए छन्हि|पाठ्यपुस्तक के आभाव मे करीब दस लाख बिद्यार्थी सभक पढ़ाई चौपट्ट भ रहल छैक निकट भविष्य तक मे पुस्तक प्राप्तिक कोनो संभावना नहि देखा रहल छैक मुदा एकरा लेल सरकार कार्ययोजना जे बना

    रहल छैक सैऽह ठोस उपलब्धि छैक| और किछु नहिओ भेलै मुदा पी॰एम॰ ओलीजी जनता सभ के भाषण मे उखान टुक्का (कहबी / मुहावरा) सभ सुना सुना कऽ भरपूर मनोरंजन करएबा खूब प्रगति हासिल कएने छथि | अवसरवादी सभ हुनक गुणगान बखान करैत सरकारिए छत्रछायामें कालाबाजारी स्मगलिंग आदि मे सेहो खूब प्रगति हासिल क रहल अछि अवाञछित प्रगति आ उपलब्धि देखएबाक हेतु पार्टी भीतर सेहो होड़ लागल छैक पार्टी स आबद्ध एकटा आदरणीया महिला कने बेसिए उत्साहित भ क प्रगति के नव कीर्तिमाने स्थापित करबाक हेतु सार्वजनिक कार्यक्रम मे घोषणा करैत बजलीह जे हुनका पुनः गर्भ धारण करबाक ईच्छा भ रहल छन्हि| धन्य हो नेपाल सरकार आ सरकारी पक्ष, ई प्रगति सभ जनता जनार्दन कतऽ धरत कतऽ उसारत की प्रगतिपुलिन्दा माथ पर बजारत ? एहन बिचित्र दुविधा मे आब गर्व करब की माथा पीटब ?