धनतेरस पर मुजफ्फरपुर बाजार मे भारी कारोबार

    0
    273
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: धनतेरस पर शुक्रदिन शहर के बाजार दुलहन जेना सजल छल। रंग-बिरंगक लाइट सं रोशन बाजार मे खरीदारक भीड़ उमड़ल छल। भोर 10 बजे सं दुपहर 12 बजे तक राहु काल हेबाक बावजूद जमि कय खरीदारी भेल।
    कार, मोटरसाइकिल, इलेक्ट्रॉनिक उत्पाद, बर्तन, ज्वेलरी व मूर्ति के बाजार मे लोगक तांता लागल रहल। दुपहर बाद बाजार मे भीड़ और बढ़ि गेल। साँझ धरि सरैयागंज, मोतीझील, तिलक मैदान सहित अन्य बाजार मे पैदल चलब मुश्किल छल।
    बजारक सूत्र के अनुसार अहि बेर धनतेरस के बाजार ढाई करोड़ धरि पहुंच गेल। अहि मे सब सं अधिक ऑटोमोबाइलक सेक्टर के योगदान रहल। अहि के बाद इलेक्ट्रॉनिक बाजार व सर्राफा बाजारक खरीदारी बाजार अधिक फायदा पहुँचेलक।
    बरतन व मूर्तिक खरीदारी सेहो जमि कय भेल। ग्राहकक भीड़ एहेन छल जेना ग्राहकक बात सुनबाक लेल दुकानदार के समय नहि हो।