सकरी-मधुबनीक बीच सड़क दुर्घटनामे मोटरसाइकिल चालककें दर्दनाक मौत

    0
    385

    मधुबनी, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा/गौरी शंकर सिंह: सकरी आ मधुबनीकें बीच विवेकानंद स्कूलक समीप बुधदिन भोरमे एकटा तेज गति सं आबि रहल ट्रकक चपेटमे एला सं मोटरसाइकिल सवारक दर्दनाक मौत भए गेल। मृतकक पहिचान अरेड़ निवासी 28 वर्षीय जीतन कुमार सहनीकें रूपमे कएल गेल अछि।

    घटनाक बाद तमसाएल स्थानीय लोक द्वारा ट्रककें तोड़फोड़ कएल गेल, मुदा ओहि सं पहिने ट्रक चालक घटना स्थल सं फरार भए गेल छल। सूत्रक अनुसार आय भोरमे सकरी दिस सं आबि रहल तेज रफ़्तार ट्रक (बीआर01जीई7885) विवेकानंद स्कूलक समीप मधुबनी दिस सं जा रहल जीतन कुमारक मोटरसाइकिल सं टकरा गेल, जाहि सं जीतन कुमारक घटनास्थले पर मौत भए गेल।