राजद केँ लागल एकटा आओर झटका, लालूक बेहद करीबी सतीश गुप्ता देलनि इस्‍तीफा

0
767

पटना, मिथिला मिरर : एक दिस जखन बिहारक हरेक राजनीतिक दल चुनावी तैयारी मे जुटल अछि। ओतहि राजद मे टूटक सिलसिला रुकबाक नाम नहि ल’ रहल अछि। राजदक सर्वेसर्वा लालू यादव केँ एकटा आओर विश्वशनीय नेता सतीश कुमार गुप्ता पार्टीक सभ पदक संग प्राथमिक सदस्यता सँ सेहो इस्तीफा द’ देलनि अछि। बतादी जे सतीश गुप्ता लालूक दोसर हनुमान कहल जाइत छलाह। सतीश पैछला 30 साल सँ लालूक संग छलाह आ अखनि राजद मे प्रदेश महासचिव छलाह। सतीश राजदक संसदीय कमेटीक सदस्य सेहो छलाह। ओ अपन इस्तीफा राजदक प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह केँ सौंपी देलनि।

इस्तीफा देलाक बाद मीडिया सँ बात करैत सतीश कहलाह जे हम अपन जिनगीक स्वर्णिम दौर राजद मे खपा देलहुं। मुदा आब राजद मे अनुभवी, ईमानदार आ समर्पित लोकक पूछ नहि अछि। राजद नेतृत्व कहियो स्वर्णकार समाज केँ सदन लेल उपयुक्त नहि समझलनि। राजद आब लाभ-हानिक धारा संग प्रवाहित भ’ चुकल अछि। आरोप लगवैत कहलनि जे राजद लेल आब ओ आ हुनक वैश्य समाज लाभदायक नहि छनि एहन राजद केँ वर्तमान नेतृत्व केँ लागी रहल अछि। पैछ्ला 30 बरख जाही पार्टी लेल मरैत छलहूँ ओतय आब अराजकता पसरि चुकल अछि। आया राम गया राम केँ महत्व देल जाइत अछि। एहन मे आत्मसम्मान संग समझौता कतेक दिन करब। तैं पार्टिक हेरक पद सँ इस्तीफा द’ देलहुँ।

जनतब दी जे सतीश कुमार गुप्ता लालू-राबड़ीक बेहद करीबी रहल छथि। ओ राजदक स्‍थापना काल सँ लालू यादव संग जुड़ल रहलाह। राजद मे रामचंद्र पूर्वे आ सतीश गुप्ता वैश्‍य समाजक प्रतिनिधित्‍व करैत छलाह। आब ओ कोन पार्टी मे जेताह अखनि धरि कोनो पत्ता नहि खोललनि अछि।