भाजपाक ‘आत्मनिर्भर बिहार’ पर तेजस्वीक तंज, कहलनि- पहिने भाजपा त’ हुए आत्मनिर्भर, उधारक चेहरा पर कतेक दिन चलाओत काज

0
568

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावी पारा गरम भेल जा रहल अछि। राजनीतिक बयानबाजी सेहो जोर पकड़ने जा रहल अछि। शनिदिन बिहार में चुनाव के देखैत भारतीय जनता पार्टी आत्मनिर्भर बिहार अभियानक शुरुआत कएलक अछि। जाहि कार्यक्रम मे भाजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा स्वयं एही कार्यक्रम के शुरुआत कएलनि। एही कार्यक्रम सँ भाजपा बिहार मे चुनावी शंखनाद कएलक। एही केँ प्रतिक्रिया मे राष्ट्रीय जनता दल भाजपाक टांग खिचाई कएलक अछि।

तेजस्वी यादव एहि अभियान केँ ल’भाजपा पर तंज कसलक अछि। तेजस्वी कहलनि जे बिहार भाजपा  पैछला 24 साल सँ उधारिक चेहरा पर काज चला रहल अछि। एहन मे पहिने अपने त’  आत्मनिर्भर भ’ जायथ। तखन त’ बिहार केँ आत्मनिर्भर बनौताह। न्यूज एजेंसी एएनआई सँ बात करैत तेजस्वी कहलाह जे पार्टीक अपन कोनो चेहरा नै एहन मे कोना ओ दोसर केँ आत्मनिर्भर बनौताह। बतादी जे पैछ्ला करीब 23 साल सँ एनडीए के प्रमुख घटक दलक रूप मे भाजपा अछि आ  नीतीशक नेतृत्व मे चुनाव लडैत आबि रहल अछि। एही कारण एक तीर सँ जदयू आ भाजपा दुनू पर निशाना लगा देलनि।

जनतब होयत जे एही बेर सेहो एनडीए गठबंधन नीतीश कुमार केँ नेतृत्व मे चुनाव लड़ जा रहल अछि। एही बेर एही गठबंधन में सभसँ पैघ पार्टीक रूप मे जदयू शामिल रहत। ओतहि भाजपा आ लोजपाक संग जीतन राम मांझीक पार्टी हम सेहो गठबंधनक हिस्सा रहत। मांझी हालही महागठबंधन सँ अलग भ’ एनडीए मे शामिल भेल अछि। बिहार दौरा पर आयल भाजपा अध्यक्ष जेपी नड्डा एक बेर फेर नीतीश के नेतृव मे भाजपा और लोक जन शक्ति पार्टी मिल क’ चुनाव लड़त आ नीतीश मुख्यमंत्री केँ चेहरा रहताह एही बात केँ दोहरेलनि अछि।