मिथिलाक एकटा आओर लाल भेलाह शहीद

0
1715

बेगूसराय, मिथिला मिरर : एक दिस जखन पूरा देश विंग कमांडर अभिनंदनकेँ वतन वापसी पर अभिनंदन क’ रहल छल। दोसर दिस जम्मू कश्मीरमे आतंकी संग मुठभेड़ चलि रहल छल। ओ पाकिस्तान की जे शांत बनि शांति रहय दिय। पाकिस्तान अपन चालि चलन कखनो नै बदली सकैत अछि। पाकिस्तानकेँ इतिहास रहल अछि जे ओ दोस्तीकेँ बदला सदिखन पीठमे छूरा घोपैत रहल अछि। काल्हि यानि 1 मार्च क’ जम्मू कश्मीरमे बिहारक एकटा आओर जाबांज बेटा आ मिथिलाक लाल देशक रक्षा लेल शहादत देलनि अछि। आतंकी संग लोहा लैत मिथिलाक बेगूसराय जिलाक जांबाज बेटा पराक्रमकेँ परिचय दैत आतंकीकेँ खदेड़ देलनि। मुदा बुजदिल आतंकी हुनका पर पाँछासँ हमला क’ देलक। जाहिमे इंस्पेक्टर शहीद भ’ गेलाह। शहीद पिंटू कुमार सिंहकेँ शहादतसँ एक तरफ जतय परिवारक लोक शोकाकुल छथि, ओतय पूरा गाम एहि शहादत पर गर्व क’ रहल अछि।

जानकारीकेँ मुताबिक, शुक्रदिन साँझ करीब 7 बजे उत्तरी कश्मीरकेँ बाबूगुंड हंदवाड़ामे सीआरपीएफ आ आतंकीकेँ बीच मुठभेड़ भ’ गेल। एहि मुठभेड़मे 5 जवान शहीद भ’ गेलाह। शहीद होमय वला बेगूसराय जिलाक बखरी प्रखंडक राटन पंचायत अंतर्गत बगरस ध्यानचक्की गाम निवासी स्व. चक्रधर प्रसाद सिंहकेँ सभसँ छोट बेटा पिंटू कुमार सिंह शामिल छलाह। बतादी जे शहीद पिंटू सिंह साल 2009मे सीआरपीएफमे भर्ती भेल छलाह आ वर्त्तमानमे कश्मीरमे पदस्थापित छलाह। शहीदकेँ पाँच सालक एकटा बेटी छनि। हुनक पत्नीकेँ कानी-कानी क’ हाल बेहाल भेल छनि। शहीदक सम्मानमे सैकडों लोक प्रतिकार मार्च निकाललाह आ पाकिस्तान मुर्दाबादकेँ नारा सेहो लगाओल गेल। सीआरपीएफमे इंस्पेक्टर पिंटू कुमार सिंहकेँ शहादतक खबिर शुक्रदिन साँझसँ फेसबुक पर गामक लोक सभ देखी लेलनि। मुदा कंट्रोल रूम द्वारा राइत 2 बजे कन्फर्म कएल गेल। तखने सँ परिवार बेचैन भ’ गेल।

नैहरमे छथि पत्नी, नहि देल गेल एहि बातक जानकारी

शहीद पिंटू कुमार सिंहकेँ पत्नी अपन नैहरमे छथि। हुनक नैहर मुजफ्फरपुर जिलामे छनि। हुनक पत्नीकेँ नै जनतब छनि जे हुनक जाबांज पति देशक रक्षा लेल अपन जीवन न्यौछावर क’ देलाह। शहीदक परिजनकेँ कहब छलनि जे पार्थिव शरीर अयला पर पत्नीकेँ एतय लाओल जायत। पिंटूकेँ विवाह साल 2011 मे भेल छलनि।