मिथिलाक पारंपरिक रोजगारकेँ पुनर्जीवित करबाक लेल होयत प्रयास : डॉ. सीपी ठाकुर

0
465

दरभंगा, मिथिला मिरर : राज्यसभा सांसद आ पूर्व केंद्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ. सीपी ठाकुरकेँ 15 दिसम्बर शनिदिन दरभंगामे नागरिक अभिनंदन कएल गेलनि। विद्यापति सेवा संस्थान आ महात्मा गांधी शिक्षण संस्थानक संयुक्त तत्वावधानमे ताम्रपत्र पर उल्लिखित अभिनंदन पत्र समर्पित कएल गेल। समारोहकेँ संबोधित करैत डॉ. ठाकुर कहलनि जे मिथिलाक संग हुनक माय-बेटाक संबंध अछि। मैथिली हमर मायक भाषा थिक। हमर मातृक मिथिलाकेँ रामपुरामे अछि। मैथिलीक विकास लेल आई धरि जे बनि पड़ल ओ करबाक कोशिश केलहु। आब जँ अगिला बेर पारी भेटत त’ हम मिथिलाक विकास लेल कृतसंकल्प रहब। संगही कहलनि जे मिथिलाक पारंपरिक रोजगारकेँ पुनर्जीवित करबाक प्रयास कएल जेबाक चाही।  एहिक तहत पान, मखान, माछ आदिक खेती जे बदहालीक कगार पर ठाढ़ अछि, ओ कोना खुशहाल हुए एकटा गंभीर प्रशन थिक, आ एहि दिशमे प्रयास कएल जायत। समारोहकेँ संबोधित करैत श्री ठाकुर कहलनि जे सीबीएसई पाठ्यक्रममे मैथिली विषयकेँ शामिल भेलासँ मैथिली भाषीकेँ सामने रोजगारक अवसर स्वत: उपलब्ध होयत। जनतब होयत जे मैथिलीकेँ सीबीएसई पाठ्यक्रममे शामिल होई एकर प्रस्ताव श्री ठाकुर एनडीए सरकारक मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जवेड़करसँ केने छलाह आ मंत्रालय द्वारा एहि प्रस्तावाकेँ स्वीकृति द’ देल गेल अछि। मैथिलीकेँ अष्टम अनुसूचीमे शामिल करेबामे सेहो हिनक महत्वपूर्ण भूमिका छलनि। मिथिला-मैथिलीक लेल 90 क दशकसँ डॉ. ठाकुर लागल छलाह आ मैथिलीक लेल आइयो इ सदिखन सक्रिय रहैत छथि।

मैथिली भाषा ल’ पहिने आईएएस वा आइपीएस त’ बनि जाइत छल मुदा प्राथमिक शिक्षामे मैथिली नै छल। श्री ठाकुरकेँ इ प्रयास एहि दिशामे मीलक पाथर साबित होयत, एहिमे कोनो दू राय नै। आब मात्र 12वीं कक्षाक पाठ्यक्रममे मैथिली शामिल भेनाय बाँकी अछि। महात्मा गांधी शिक्षण संस्थानमे आयोजित एहि कार्यक्रममे डॉ. बैजनाथ चौधरी बैजू , हीरा कुमार झा आ भारत निर्वाचन आयोगक आइकॉन मणिकांत झा एहि उपलब्धि पर विस्तारसँ चर्चा केलनि। डॉ. विद्यानाथ झाक अध्यक्षतामे आयोजित समारोहक संचालन डॉ. जयप्रकाश चौधरी जनक आ धन्यवाद ज्ञापन जीवकांतमिश्र केलनि। समारोहमे चेतना समितिक अध्यक्ष विवेकानंद झा, विनोद कुमार झा, प्राइवेट स्कूल एसोसिएशनक जिलाध्यक्ष डॉ. एसएएच आब्दी, मिथिलाक्षर कंप्यूटर फोंट तैयार करय वला पं. विनय झा, डॉ. गणेशकांत झा, एमएमटीएम कॉलेजक प्रधानाचार्य उदयचंद्र मिश्र, प्रवीण कुमार झा, आशीष चौधरी सहित अनेकोँ निजी विद्यालयक निदेशक आ प्रधानाचार्य शामिल भेलाह।

जँ जानकी हमर बहिन त’ राम हमर पाहून

डॉ सी पी ठाकुर मिथीलामे छलाह। हुनक नागरिक अभिनन्दन छलनि मुदा समारोहमे शामिल होयबासँ पूर्व श्रीराम-जानकी मंदिर पचाढ़ी छावनी, बलभद्रपुरमे विवाह पंचमी महोत्सवकेँ उपलक्ष्यमे आयोजित श्रीराम कथामे पहुँचलाह। एहि अवसर पर कहला जे जाहि तरहेँ श्रीराम आ जानकीक विवाह बगैर दहेज भेल छल, ओहि तरहेँ अपन समाजमे दहेज मुक्त विवाहक परिपाटी शुरू हेबाक चाही। राम-जानकी जेहन आदर्श हमर मिथिलांचलमे सदिखन स्थापित रहय। श्री ठाकुर कहलनि राम किनको एकक नहि, कुनो एक वर्णक नै, ओ समाजके छथि। जँ कियो हिन्दू छथि त’ राम मंदिरक मुद्दा हुनकासँ अलग कोना भ’ सकैत अछि। राम मंदिर निर्माणक समर्थन करैत कहला जे ओ सदैव तत्पर रहताह। एहि अवसर पर नगर विधायक संजय सरावगी, राम उदित दास मौनी बाबा, भाजपा जिलाध्यक्ष हरि सहनी, सुनिल झा, शिवशंकर झा, ललनजी झा, उज्जवल कुमार, बौआ झा, आनंद, डॉ. बरूण झा आदि मौजूद छलाह।