वामदलक बिहार बंद के सफल बनेबाक आह्वान

    0
    281
    बेगूसराय, मिथिला मिरर: भाकपा नेता रविंद्र सिंहक अध्यक्षता मे वामदलक संयुक्त बैसक शुक्रदिन कमलेश्वरी भवन मे संपन्न भेल, बैसक मे राष्ट्रव्यापी आक्रोश प्रदर्शन के तहत नोटबंदीक खिलाफ वामदलक 28 नवंबर क बिहार बंद आ 22 नवंबर 16 सं समाहरणालय के समक्ष भूख हड़ताल पर बैसल डंडारी विशनपुर के 30 महादलित परचाधारी के सवाल पर विचार-विमर्श कय निर्णय लेल गेल।
    26 नवंबर क संयुक्त वामदलक प्रतिनिधिमंडल 11 बजे जिलाधिकारी स भेंट कय परचाधारी के सवाल पर बात करताह। बैसक मे नेता अनशन पर बैसल लोक सं एखन धरि वार्ता नहि केला पर जिलाधिकारीक संवेदनहीनता करार दैत कार्रवाईक निंदा केलनि।
    28 नवंबर क बंदक सफलताक लेल तय प्रचार-प्रसार करबाक निर्णय लेल गेल। बैसक मे भाकपा माले के चंद्रदेव वर्मा, जिला सचिव दिवाकर कुमार, बैजू सिंह, भाकपा जिला मंत्री सुरेश यादव, दयानिधि, यू चंद्रा, माटो पासवान आदि उपस्थित छलाह।