मिथिला सं आएल नरबलिक एकटा विचलित करैय वला खबैर

    0
    329
    बिहार के अररिया जिला मे अन्धविश्वासक एकटा नव कथा उजागर भेल, जाहि मे बोरिंग गरेबा स पहिने बच्चा के बलि देबाक प्रथा प्रकाश में आयल अछि। सूत्रक अनुसार रविदिन बोरिंग गरेबा स एक दिन पहिने एकटा बच्चाक बलिक सम्पूर्ण व्यवस्था कायल गेल छल, मुदा समय रहिते बच्चाक परिजन पुलिसक मदद लय बच्चा के बचेबामे सफल रहला। अहि दौड़ान पुलिस अधिकारी अहि मामला मे संलिप्त आधा दर्जन व्यक्ति के गिरफ्तार कयलनि।
    बच्चाक परिजन लोकनि कहलनि जे आर. एस. ओपी. के हयातपुर गामक किछु लोक हुनकर बच्चा के पकरि क जबरदस्ती बलि देबाक प्रयास कयलनि। सूत्रक अनुसार गामक प्राथमिक विद्यालय मे बोरिंग गरेबाक प्रयास तीन दिन स चलि रहल छल।