खेलमे उम्र बाधा नहि : पटना पाइरेट्स के कप्तान धर्मराज चेरालथन

    0
    388

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः जाहि उम्र में सामान्य तौर पर खिलाड़ी संन्यासक घोषणा करैत छथि, ओहि उम्र मे प्रो कबड्डीक विगत वर्षक विजेता टीम पटनाक कप्तान धर्मराज चेरालथन अप्पन खेल आ स्फूर्ति स युवावर्गक खिलाड़ी में नव उत्साहक संचार करबाक काज कय रहल छथि। धर्मराजक उम्र 41 साल छन्हि, मुदा कबड्डीक कोर्ट पर ओ अप्पन कोनो  युवा साथी स कम फुर्तगर नजरि नहि अबैत छथि।

    कप्तान और अनुभव मे सबस आगु हेबाक कारने धर्मराज राइट तथा लेफ्ट डिफेंडर के तौर पर खेलाईत छथि आ सदिखन अप्पन  युवा साथी के लेल प्रेरणा बनबाक प्रयास मे रहैत छथि, जाहि मे अक्सर हुनका सफलता सेहो भेटलनि। ताहि कारने  पटनाक टीम एक बेहतरीन मिश्रण एवं  संयोजनक संग स्टार स्पोर्ट्स प्रो कबड्डी लीगक चारीम सीजन मे छह मे स पांच मैच जीत चुकल अछि।
    धर्मराज तमिलनाडुक तंजावुर जिलाक रहनिहार छथि आ रेलवे मे क्लर्कक नौकरी करै छथि। अप्पन मधुर सौभावक लेल विख्यात धर्मराज लग कबड्डी मे 20 सालक अनुभव छन्हि, आ एहेन कखनहूँ नै देखल गेल, जखन धर्मराज कोर्ट पर अप्पन युवा साथी स कमतर खेल देखेने होइथ। अप्पन प्रदर्शन आ अहि उम्र धरि खेलेबाक विषय में धर्मराज कहैत छथि, “कबड्डी हमरा रग-रग में बसल अछि, हमर आ एकर नाता कहियो नहि टूटल। हम 20 साल स कबड्डी खेला रहल छी आ अहि खेलक लुत्फ उठेबा में बड़ आनंद अबैया। एखन धरि खेल मे उम्र बाधा नै बनल, आगु के कही नै।
    धर्मराज आगु कहै छथि, कहियो सोचने नहि छलौं जे कैमराक चकाचौंध आ एतेक अधिक प्रसंशक बीच मे खेलबाक अवसर भेटत। देश मे कबड्डीक क्षेत्र मे ई बहुत पैघ बदलाव भेल और अहि बदलावक लेल हम स्टार स्पोर्ट्स और एसोसिएशन के धन्यवाद देबनि, जिनकर प्रयास हमर जिंदगी बदलि देलक।”