दिव्यांग जोड़ाक विवाहमे मंत्री कैलनि कन्यादान, राज्यपाल आ शारदा सिन्हा सेहो उपस्थित

    0
    300

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारक राजधानी पटनामे सोमदिनक राइत एकटा विवाह सबहक आकर्षणक केन्द्र बिन्दु रहल। कारण अहि विवाहमे कन्यादान करय वाली महिला कोनो सामान्य महिला नहि छलीह, अपितु बिहार सरकारक समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा छलथि। दिव्यांग पर कार्य कऽ रहला एकटा गैर सरकारी संगठन द्वारा आयोजित अहि विवाह समारोहमे कुल 7गोट दिव्यांग जोड़ा भाग लेलनि जाहिमे 4गोट जोड़ी अंतरजातीय विवाह कैलनि।
    पटना मे आयोजित अहि विवाह समारोहमे एक सं एक पैध हस्तिक जुटानी छल। समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा कन्यादान कैलनि त दोसर दिस बिहारक महामहिम राज्यपाल रामनाथ कोविंद वर-वधु कें आशीर्वादित कैलिन। एतबे नहि बिहार कोकिला पद्मश्री शारदा सिन्हा अपन सुमधुर अवाजमे गीत गावि संपूर्ण वातावरणकें आओर बेसी रमणीय बना देलीह।
    मिथिला मिररक संपादक सं की कहली मंत्री?
    मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा सं बातचीत करैत मंत्री मंजू वर्मा कहलनि जे बहुत नीक लागल विवाहमे जा। निश्चित रूपहिं अगर गैरसरकारी संगठन आ कि कोनो संस्था जौं एहन तरहक पहल करैत अछि त अहि सं समाजमे एकटा स्वस्थ संवाद जेतै। सरकार सेहो ओहि संस्था सबकें प्रोत्साहित करैत अछि। जे चाइर गोट युवती अंतरजातीय विवाह कैलनि हुनका सरकारक ओहि श्रेणीक तहत प्रोत्साह देल जेतनि आ दिव्यांगकें जे सहयोग राखि भेटैत अछि ओहो देल जाइत।
    बिहार कोकिलाक शब्द
    मिथिला मिरर सं अपन बात रखैत पद्मश्री शारदा सिन्हा कहली जे बहुत नीक व्यवस्था छल आ बहुत नीक लागल। विवाहमे बहुत पुरान लोक सब सं भेंट भेल जाहि सं अह्लादित छी। एहन तरहक आयोजन जौं समय दर समय होइत रहत तखन समाजमे दिव्यांगकें प्रति लोकक जे एकटा धारणा रहैत छैक ओकरा बदलवामे बहुत बेसी मदद भेटत।