दू दिनक यात्रा पर दरभंगा पहुंचलाह मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

    0
    276

    दिल्ली,मिथिला मिरर-निशांत कुमार झाः मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन देर सांझ अपन दू दिनक यात्राक क्रममे दरभंगा पहुंचलाह। मुख्मंत्री नीतीश कुमारक दरिभंगामे बहुत रास कार्यक्रममे सहभागी हेवाक छन्हि। रातुक विश्राम आ भोजन पूर्व विधान पार्षद विनोद चौधरीक ओहिठाम केलाक बाद बुधदिन ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक समाजशास्त्र विभाग द्वारा आयोजित संगोष्ठी ‘विकास का समाजवाद’ केर उद्घाटन करताह। कार्यक्रमक अध्यक्षता विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा करताह। अहि अवसर पर मंत्री मदन मोहन झा, महेश्वर हजारी आ मदन सहनी विशिष्ट अतिथि रहताह।
    दोसर सत्रक उद्घाटन पद्मभूषण डाॅ. विन्देश्वर पाठक करताह जखन कि अहि सत्रक अध्यक्षता सीएसएस ठाकुर करताह। तहिना मुख्य वक्ताक रूपमे हेतुकर झा, प्रो. श्रुतिधारी सिंह, प्रो. भैरवलाल दास, प्रो.शिवकुमार ठाकुर सहित अन्य विद्वान लोकनि करताह। तहिना मुख्ययमंत्री डाॅ. नागेन्द्र झा स्टेडियम मे जीविका द्वारा आयोजित एकटा कार्यक्रम मे सेहो उपस्थित हेताह। एकरा बाद मुख्यमंत्री प्रमंडलीय मुख्यालयमे सात गोट निर्धारित कार्यक्रम मे अधिकारि लोकनिक संग बैसताह। मुख्यमंत्रीक दरभंगा यात्राकें ध्यानमे राखैत दरभंगामे यातायातमे भारी फेल बदल कैल गेल अछि। भोर सवा सात बजे सं भारी वाहन आ बसक प्रवेश दरभंगा शहरमे निषेध कय देल गेल अछि।