सुपौलक छातापुर केर महमदगंज पंचायतमे ठनका सं दू गोट छात्रा जख्मी

    0
    266

    सुपौल,मिथिला मिरर-सोनू कुमार भगतः सुपौलक महमदंज पंचायतक वार्ड संख्या तेरह स्थित सरदार टोलमे बुधदिन सांझमे ठनका खसला सं दू गोट छात्रा गंभीर रूप सं घायल भए गेलीह। अहि घटनाक बाद स्थानीय लोकमे डर सन महौल देखल गेल। घटनाक तुरंत बाद परिजन आ स्थानीय लोकक मदद सं दुनू घायल बच्चा कें छातापुर प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्रमे भर्ती कराओल गेल।
    जानकारीक अनुसार महमदगंज महादलित टोल स्थित शालदेव सरदारक पुत्री काजल कुमारी 16 वर्ष, अपन संगी सोनी कुमारीक संग सांझमे खेत सं मवेशी लए वापिस आबि रहल छलीह। अहि क्रममे टिपिर-टिपिर बुन्नी शुरू भेल आ ओहिकें बाद मेघगर्जनक संग ठनका खसल जाहिकें चपेटमे सोनी आ काजल दुनू आबि गेलीह। दुनू लड़की मध्य विद्यालय महमदगंज मे कक्षा 6 केर छात्रा छथि। प्राप्त जानकारीक अनुसारे काजलक स्थिति नाजूक छन्हि आ हुनकर शरीर पर गंभीर जख्म पहुंचल अछि, जखन कि सोनी स्थितिमे किछु सुधार भेलनि अछि।