आब लावारिस और गरीब बच्चा के बढ़ाओत रेलवे पुलिस

    0
    256

    पटना, मिथिला मिरर: एकटा नव मुहिमक तहत आब स्टेशन पर लावारिस घुमय बला बच्चा के जीआरपी पढ़ाबय के काज शुरू करत। जीआरपी स्टेशनक अगल-बगल झुग्गी झोपड़ी मे रहय बला गरीब परिवारक बच्चा के पढाओत जे, रुपैयाक कारने नहिं पढ़ि पाबैत हो या फेर ओकर मां-बाप बच्चा के पढ़ेबाक साती काज पर पठा दैत हो।

    पटना जंक्शन आ पाटलीपुत्र स्टेशन पर रेल एसपी जितेंद्र मिश्रा एहेन सब बच्चाक बीच स्वतंत्रता दिवस केर दिन चॉकलेट आ किताबक वितरण केलनि। आई मतलब मंगलदिन स पटना जंक्शन आ पाटलीपुत्र स्टेशन पर अहि गरीब बच्चाक पढ़ाय शुरू होयत।

    साँझ मे साढ़े चारि से साढ़े छह आ सात स आठ दू शिफ्ट मे बच्चा के पढ़ाओल जायत। बच्चा के फिलहाल जीआरपी आ एनजीओ के लोक पढ़ाओत। हालांकि रेल एसपी शहरक वरिष्ठ लोकक संग युवा वर्ग स सेहो अहि कार्य मे सहयोगक अपील केलनि।