भारी मात्रा मे शराबक संग तीन गिरफ्तार

    0
    291

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे पूर्ण शराबबंदी के बाद चौकस पुलिस मंगलदिन देर राति मुजफ्फरपुर जिलाक बोचहा थाना क्षेत्र सं भारी मात्रा मे शराबक संग-संग तीनटा अपराधी के गिरफ्तार केलक।

    पुलिस उपाधीक्षक (पूर्वी) मुत्तसिफ अहमद कहलनि जे, गुप्त सूचनाक आधार पर राष्ट्रीय उच्च पथ 57 पर मंझौलिया गामक निकट घेराबंदी कय एकटा कंटेनर सं 314 कार्टून विदेशी शराबक बोतल बरामद कायल गेल। मौका पर सं अर्जुन सहनी, विनय भगत आ मोहम्मद अली के गिरफ्तार कायल गेल। ओ कहलनि जे, कंटेनर के अलावा एकटा अन्य वाहन के सेहो जब्त कायल जेल अछि।