बिहार मे पोस्टर वॉर, लालू यादव कैदी नं. 3351, संगे लिखल अछि ‘एकटा एहन परिवार जे बिहार पर भार’

0
627

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे भले चुनाव आयोग चुनावी बिगुल अखनि नहि बजौलक अछि, मुदा राजनीतिक दल चुनावी रंग मे रंगी चुकल अछि। आरोप-प्रत्योप केँ संगे आब पोस्टर वॉर सेहो शुरू भ’ चुकल अछि। एकबेर फेर चुनाव सँ पहिने राजनीतिक उठापटक केँ बीच पोस्टर वॉर जारी अछि। राजधानी पटनाक इनकम टैक्स चौराहा पर लागल एकटा पोस्टर चर्चा केँ विषय बनल अछि। पोस्टर केँ माध्यम सँ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू यादव आ हुनक परिवार पर कटाक्ष कएल गेल अछि। पोस्टर किनका द्वारा लगाओल गेल अछि एही बातक जिक्र नै अछि।

पटनाक सभसँ व्यस्ततम चौराहा पर लागल पोस्टर लोकक ध्यान अपना दिस खिंच रहल अछि। पोस्टर मे लालू यादव केँ संग राबड़ी देवी, मिसा भारती, तेजप्रताप आ तेजस्वी केँ सेहो दर्शाओल गेल अछि। पोस्टर मे सीधे तौर पर लालू परिवार पर निशाना साधल गेल अछि। लालू यादवक एकटा पैघ फोटोक संग लिखल अछि -‘एक ऐसा परिवार जो बिहार पर भार’। संगे लालू केँ तरफ इंगित करैत कटाक्ष कएल गेल अछि-‘सजायाफ्ता कैदी नंबर 3351’।

राजनीतिक गलियारा मे चर्चा केँ विषय बनल एहि पोस्टर केँ बारे मे कहल जा रहल अछि जे एनडीए अपन लड़ाई राजद संग मानी रहल अछि। चुनाव नीतीश बनाम लालू करबाक सियासत मे एहन तरहक पोस्टर लगाओल गेल अछि। ताकि 15 साल बनाम 15 साल पर चुनाव केन्द्रित कएल जा सकै। एतबे नहि तेजस्वी केँ कोनो भाव नहि देल जाए। मालूम होयत जे साल 2015 मे नीतीश कुमार तेजस्वी संग गठबंधन क’ चुनाव लड़ने छलाह। तखन तक तेजस्वी एतेक मुखर नहि छलाह। तेजस्वी केँ तेजस्वी बनबै मे नीतीश कुमारक योगदान के नकारल नहि जा सकैत अछि। तैं आब तेजस्वी सरकार पर लगातार हमलावर रहैत छथि।

पोस्टर पर कटाक्ष करैत बिहार सरकार मे मंत्री नीरज कुमार कहलनि अछि जे लालू बिहार केँ लेल नहि अपितु झारखंड लेल सेहो भार छथि। सजायाप्ता लालू झारखंडक सत्ता केँ दुरुपयोग क’ रहल छथि। जेना बुझा रहल अछि ओ कोनो आजादीक लड़ाई मे जेल गेलाह अछि।