ट्रक सं चारि क्विंटल गांजा बरामद, ड्राइवर गिरफ्तार

    0
    316

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय जिला के मटिहानी थाना क्षेत्रक रामपुर सड़क के समीप पुलिस सोमदिन भोरे ट्रक पर लादल चारि क्विंटल गांजा बरामद केलक अछि। पुलिस सूत्रक अनुसार बताओल जा रहल अछि जे, सूचना भेटल छल जे, तस्कर गांजा के पैघ खेप लय क आबि रहल अछि।

    सूचना के आधार पर रामपुर सड़क के निकट एकटा ट्रक के रोकि कय तलाशी लेल गेल। अहि दौरान 37 पैकेट गांजा बरामद कायल गेल। बाजार मे जब्द गांजाक कीमत 20 लाख रौपाया बताओल जा रहल अछि। पुलिस दोषी के हिरासत मे लय क पूछताछ शुरू कय देलक अछि।