प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी देलनि बिहार केँ 294.53 करोड़ टकाक उपहार, उत्साहित छथि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार

0
864

दिल्ली,पटना, मिथिला मिररः बिहार विधानसभा चुनाव 2020 सऽ पूर्व राजनीतिक दल ओ सभ चीजक प्रयोग करए चाहैत छथि जाहि सऽ ओ सत्ताक कुर्सी धरि पहुंचबा मे सफलत भेट सकए। विपक्ष जतए सत्ता पक्षक नाकामी तकबा मे व्यस्त अछि तऽ दोसर दिस सत्ता पक्ष अंतिम क्षण मे अधिकाधिक उद्घाटन ओ शिलान्यासक माध्यमे जनताक मध्य अपन मजबूत उपस्थिति दर्ज करेबाक जोगार मे अछि। बृहस्पति दिन प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बिहार केँ 294.53 करोड़क उपहार देलनि। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी बिहार केँ मत्स्य पालन, पशुपालन आओर कृषि विभाग सऽ जुड़ल उद्योगक लेल 294.53 करोड़ टकाक उपहार देलनि। कार्यक्रमक दौरान प्रधानमंत्री 107 करोड़क लागत सऽ बनल मत्सय संपदा योजनाक शुभारंभ सेहो कएलनि।
प्रधानमंत्री एहि कार्यक्रम मे 5 करोड़क लागत सऽ सीतामढ़ी केँ डुमरा मे बनल बखरी मछली बीज फार्म, 10 करोड़क लागत सऽ बनल किशनगंज मे मत्स्य पालन काॅलेज आओर पटना स्थित बिहार पशु विज्ञान विश्वविद्यालय मे जलीय रेफरल प्रयोगशाला आओर पटनाक मसौढ़ीक 2 करोड़क लागत सऽ बनल फिश आॅन व्हील्स, मधेपुराक एक करोड़क मत्स्य चारा मिल, 2.87 करोड़क कृषि विश्वविद्यालय, पूसा केँ समेकित मात्सिकी उत्पादन प्रौद्योगिकी केन्द्रक उद्घाटन सेहो कएलनि।

84.27 करोड़क लागत सऽ बनल पूर्णिया सीनेन स्टेशन, 8.06 करोड़क पटना मे इम्ब्रयो ट्रांसफर टेक्नोलाॅजी आओर आईवीएफ लैब, 2.13 करोड़क बेगूसराय, खगड़िया, समस्तीपुर, नालंदा आओर गया मे तैयार सेक्स सार्टेड सीमेन परियोजनाक शुभारंभ सेहो भेल। प्रधानमंत्री समस्तीपुर कृषि विश्वविद्यालयक 11 करोड़क लागत सऽ बनल स्कूल आॅफ एग्रीबिजिनेस एंड रूरल मैनेजमेंट भवनक उद्घाटन सेहो कएलनि। प्रधानमंत्री 27 करोड़क लागत सऽ बनए बला ब्वायज हाॅस्टल, 25 कारोड़क स्टेडियम आओर 11 करोड़क अंतरराष्ट्रीय गेस्ट हाउसक शिलान्यास सेहो कएलनि।