तेजस्वी यादवक मिशन लालटेन पर जदयू नेता नीरज कुमारक पलटवार, तेजस्वी केँ राजनीतिक औकात केँ पता चलि गेल हेतनि

0
527

पटना, मिथिला मिररः 9 सिंतबर कऽ बेरोजगारीक मुद्दा पर राति 9 बाजि कऽ 9 मिनट पर 9 मिनट धरि लेल लाइट बंद कऽ लालटेन आओर मोमबती जरेबाक तेजस्वी यादवक मुहिम पर चुटकी लैत बिहारक सूचना एवं जनसंपर्क मंत्री तथा जदयू नेता नीरज कुमार कहलनि जे तेजस्वी यादव केँ राजनीति मे हुनकर की हैसियत छनि जे बुझवा मे आबि गेल हेतनि। मंत्री कहलनि जे तेजस्वी यादवक सभटा दावा हवा-हवाई निकलल।
अपना ट्वीट मे मंत्री नीरज कुमार लिखलनि की आदरणीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक आह्वाण पर मुख्यमंत्री नीतीशक अनुरोध पर 5 अप्रैल 2020 कऽ कोविड-19 सऽ लड़बाक लेल जे संकल्प लेल गेल छल ओहि मे बिजलीक खपत 3828 मेगावाट केँ विरूद्ध 1699 अर्थात 55 प्रतिशत कम छल। तेजस्वी यादव द्वारा लालटेन जरेबाक जे अभियान छल ओहि मे कुल खपत 5573 मेगावाटक विरूद्ध 5517 मेगावाट रहल आ ई संख्या कुल खपतक मात्र 1 प्रतिशत कम छल।

नीरज कुमार कहलनि जे एहि आंकड़ा सऽ तेजस्वी यादव केँ पता चलि गेल हेतनि जे बिहारक जनता मे हुनकर कोन तरहक महत्व छनि। मंत्री नीरज कुमार कहलनि जे बिहारक जनता मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बात पर विश्वास करैत अछि नहि कि तेजस्वी यादवक बात पर।