छूटल 32 बरखक संग, लालू यादव केँ चिट्ठी लिख कहलनि माफ करब आब आओर संग नहि रघुवंश

0
1066

पटना, मिथिला मिररः राष्ट्रीय जनता दल केँ एकटा पैघ आघात लागल। पार्टीक कद्दावर नेता आओर लालू प्रसाद यादव केँ हनुमानक संग-संग राजद के रीढ़क हड्डी मानल जाए बला रघुवंश प्रसाद सिंह अंततः पार्टी केँ छोड़ि देलनि। पूर्व केन्द्रीय मंत्री आओर बिहारक राजनीति केँ घाघ चेहरा मे सऽ एक रघुवंश बाबू लालू प्रसाद यादव केँ चिट्ठी लिखैत कहनि जे जननायक कर्पूरी ठाकुरक निधक केँ बाद 32 बरखक जे संग छल ओ आइ समाप्त भए रहल अछि। आब हमरा सऽ संग नहि चलल हैत ताहि लेल हम क्षमाप्रार्थी छी। एहि दरम्यान पार्टी ओ कार्यकर्ता सऽ जे स्नेह भेटल ओकरा शब्द मे व्यक्त नहि कएल जा सकैत अछि।
रघुवंश प्रसाद सिंह पैछला किछु समय सऽ पार्टी सऽ नाराज चलि रहल छलाह। रघुवंश बाबू केँ ई उम्मीद रहनि जे पार्टी हुनका राज्य सभा भेजत मुदा हुनका जगह पर कोनो अन्य व्यक्तिक नाम सामने ऐला सऽ ओ बहुत दुखी छलाह। रघुवंश प्रसाद सिंह दुःख प्रकट करैत कहने छलाह जे आब पार्टी मे कार्यकर्ता केँ नहि बल्कि टकाक महत्व छैक।
रघुवंश बाबूक बयान पर जखन मीडिया लालू प्रसाद यादवक जेठ बेटा तेज प्रताप यादव सऽ सवाल केलक तऽ हुनकर कहब छलनि जे पार्टी समुद्र होइत छैक आ ओहि मे सऽ जऽ एक बूंद पानि निकलि जेतै तऽ ओहि सऽ की भए जेतै। एहि बयान सऽ रघुवंश प्रसाद सिंह बहुत बेसी व्यथित भेल छलाह। हालांकि नाराज रघुवंश केँ मनेबाक बहुत कोशिश भेल मुदा ओहि मे पार्टी केँ सफलता नहि भेटलैक।