उपेन्द्र कुशवाहा सँ भेँट कएलनि मुकेश सहनी, कहलनि- महागठबंधन मे आचार संहिता सँ पहिने तय कएल जाए सीटक बँटवारा

0
495

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव केँ ल’ गहमागहमी तेज भ’ चुकल अछि। सीट बँटवाराक पेँच दुनू गठबंधन मे फसल अछि। एतबे नहि दुनू खेमा मे सीट बँटवारा एकटा पैघ चुनौती बनल जा रहल अछि। बात करि महागठबंधन केँ त’ सभसँ बेसी बेसी बैचेनी एही गठबंधन मे देखना जा रहल अछि। महागठबंधनक सहयोगी दल मे कलह ज्यादा देखना जा रहल अछि। एही बीच एकटा पैघ खबरि भेट रहल अछि जे वीआईपी पार्टीक अध्यक्ष मुकेश सहनी रालोसपा अध्यक्ष उपेन्द्र कुशवाहा सँ भेँट कएलनि अछि। बतादी जे शुक्रदिन उपेन्द्र कुशवाहा तेजस्वी यादव सँ मुलाकात केने छलाह। अंदुरुनी खबरि भेँट रहल अछि जे तेजस्वीक रवैया सँ आन सहयोगी दल नाराज भ’ रहल छथि।

मुकेश सहनी तेजस्वी केँ अल्टिमेटम दैत कहलनि अछि जे लोकसभा चुनाव सन गलती एहि बेर नहि कएल जाए। पैछला बेर अंतिम समय धरि सीट बँटवाराक पेंच फसल छल जाहि कारण चुनावी तैयारी विफल भेल छल आ पार्टी सभके हारिक मुँह देखय पड़ल छल। एहि बेर राज्य मे आचार संहिता लागू हेबा सँ पूर्व सीट बँटवारा भ’ जेबाक चाही ताकि पार्टी चुनावी तैयारी मे समय द’ सकै आ बेसी सँ बेसी सीट जीत सकै।

बतादी जे तेजस्वी महागठबंधनक छोट दल केँ भाव नहि द’ रहल छथि। एतबे नहि सहयोगी दलक नेता सभक फ़ोन तक नै उठबैत छथि। एहि रवैया केँ चलते मांझी दोसर रुख अख्तियार क’ गठबंधन सँ अलग भ’ गेलाह। यैह कारण अछि जे रालोसपा अध्यक्ष उपेन्द्र कुशवाहा आ मुकेश सहनी सीट शेयरिंग भ’ रहल देरी सँ बैचैन भ’ रहल छथि।

आब एहन कयास लगाओल जा रहल अछि जे चुनाव माथ पर अछि। एहन मे कोन-कोन सीट भेटत उहापोह केँ स्थिति बनल अछि। कहीं एहन नै होई कि अंतिम समय मे दुनू दल ने घर के रहैथ आ ने घाट केँ। एतबे नहि कांग्रेस सँ सेहो कोनो बात नहि भ’ रहल छनि। जनतब होयत जे एही संदर्भ मे कुशवाहा कतेको बेर दिल्ली दौरा क’ चुकल छथि, मुदा बात नहि बनि सकल।