महागठबंधन मे सीट बँटवाराक रणनीति तय! कांग्रेस केँ लागि सकैत अछि झटका

0
662

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे प्रस्तावित विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक समीकरण बनाओल जा रहल अछि। बिहारक दुनू प्रमुख गठबंधन मे सीट केँ ल’ माथापच्ची भ’ रहल अछि। एनडीए साफ कहलक अछि जे चुनावी बिगुल बजिते सीटक ऐलान क’ देल जायत। ओतहि महागठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ घटक  दल मे उहापोह केँ स्थिति छनि। महागठबंधन मे छोट दलक पैघ आकांक्षा छनि। दोसर दिस मांझीक गेलाह केँ बाद महागठबंधन खास क’ राजद अपन कुनबा बढ़ेबाक कोशिश मे जुटल अछि। खबरि अछि जे आब बसपा, झामुमो आ वामदल सेहो महागठबंधन केँ हिस्सा बनय जा रहल अछि। एहन मे पहिने सँ मौजूद दलक  सीट मे कमी होयत एहन साफ-साफ देखना जा रहल अछि।

एहन मे सभसँ पैघ मंसूबा पालने बैसल कांग्रेस केँ पैघ झटका लागि सकैत अछि। कांग्रेसी सूत्र केँ मानी त’ कांग्रेस 80 सीटक माँग क’ रहल अछि। मुदा बनि रहल परिस्थिति मे एतेक सीट भेटब मुश्किल देखना जा रहल अछि। दोसर दिस राजद नेतृत्व साफ इशारा करैत कहलनि अछि जे कुनबा बढ़ेबै त’ त्याग करहेटा पड़त। जाहि कारण एहन अनुमान लगाओल जा रहल अछि जे कांग्रेस केँ खाता मे 45 सँ 50 सीट भेटी सकैत अछि। हालाँकि राजद इहो कहलक अछि जे सीट सभक हिस्सा मे सँ कम होयत। बतादी जे रालोसपाआ आ तीनू वाम दल (माले, सीपीआई, सीपीएम) सेहो 50 सीटक माँग कएलक अछि। ओतहि हेमंत सोरेन के पार्टी सेहो 8  सीट मंगलक अछि आ वीआईपी सीहो 20 सीट माँगी रहल अछि।

एहन मे उम्मीद कएल जा रहल अछि जे पैछला बेर जे जेतेक सीट पर लड़ल छल ओही हिसाब सँ सीटक बँटवारा होयत। यानि राजद101, कांग्रेस 41 आ बांकी बचल सीट केँ पार्टिक जनाधार पर अन्य घटक दल केँ देल जायत। ओना अंदरूनी खबरि भेट रहल अछि जे राजद अपन सभ सहयोगी दलक लेल अधिकतम सीटक सीमा तय क’ देलक अछि। रालोसपा 18-20 सीट, लेफ्ट तीनू दल 20-22 सीट, वीआईपी 8-10 सीट आ झामुमो अधिकतम 3-5 ओतहि राजद 130-140 आओर कांग्रेस 41-50 के बीच सीट पर लड़त।