उपेंद्र कुशवाहा कएलनि तेजस्वी सँ भेँट, कहलनि- एनडीए बचाबए अपन कुनबा

0
451

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे चुनावक समय जेना-जेना नजदीक आबि रहल अछि दुनू गठबंधन मे सीट बँटवारा केँ ल’ बैचेनी बढ़ल जा रहल अछि।  राष्ट्रीय लोक समता पार्टी यानि रालोसपाक अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा महागठबंधन मे सीटक बँटवारा केँ ल’ उहापोह केँ स्थिति मे छथि। पहिने कांग्रेस पर भरोसा करैत कतेको बेर दिल्लीक चक्कर काटि चुकल छथि। अंततः आब फेर एकबेर राजद नेता तेजस्वी यादव सँ भेँट कएलाह अछि। जल्दिए सीट बँटवारा केँ आग्रह कएलनि अछि।

दिल्ली सँ लौटलाह केँ बाद पत्रकार लोकनि सँ बात करैत कहलाह अछि जे महागठबंधन मे स्थिति सहज अछि आ सभ घटक दल बैस क’ जल्दिए सभ मामला सुलझा लेत। जहाँ तक महागठबंधनक एकताक सवाल अछि महागठबंधन एकजुट अछि। एनडीए पर प्रहार करैत कहलाह अछि जे पहिने ओ अपन कुनबा बचा लैथ वैह बहुत छनि।

एम्हर खबरि अछि जे राष्ट्रीय लोक समता पार्टीक अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव सँ भेँट कएलनि। करीब एक घंटा धरि राबड़ी आवास पर तेजस्वी सँ बातचीत बंद कमरा मे भेल। आ विधानसभा चुनाव सँ संबंधित हरेक विषय पर चर्चा कएल गेल। हालाँकि सूत्र केँ मानी त’ एकटा लंबा समय सँ चलि आबि रहल माँग पर तेजस्वी कोनो आश्वासन नहि देलनि की महागठबंधन मे समन्वय समितिक गठन कहिया कएल जायत।

कुशवाह नीतीश-मोदी पर हमला करैत कहलाह जे पैछला पाँच साल मे किछु काज नहि भेल। चुनाव केँ समय हिनका सभके काज याद अबैत छनि आ शिलान्यास कार्यक्रम चला रहल छथि। जनता केँ हिनका सभसँ मोह भंग भ’ चुकल छनि। एनडीए केँ चुनौती दैत कहलाह ज’ सरकारक प्रति रोष देखबा केँ छनि त’ ग्रामीण क्षेत्र मे जा क’ देखैत, हालात पता चलि जेतनि। आब लोक सभ सचेत भ’ गेल अछि आ आबय वला चुनाव मे जनता हिनका सभके सबक सिखाओत। बड़का-बड़का दावा केलाह सँ किछु नै होइत छैक। जनता पूर्णतया मूड बना लेने अछि जे एही बेर हिनका सत्ता सँ बेदखल क’ देत।