गिरफ्तार शिक्षकक रिहाईकें लेल धरना-प्रदर्शन

    0
    305

    दरभंगा, मिथिला मिरर: समान काजक समान वेतन एवं माध्यमिक शिक्षकक रिहाईकें मांगक लेल बुधदिन पंचायत नगर प्रारंभिक शिक्षक संघक सदस्य पोलो मैदानमे धरना देलनि। धरनार्थी शिक्षकक सभाकें अध्यक्षता जिलाध्यक्ष रेजाउल्लाह केलनि। धरनाक नेतृत्व सचिव सौरभव कुमार सिंह एवं कोषाध्यक्ष संजय कुमार राय कए रहल छलाह।

    सभामे वक्ता कहलनि जे, पिछला बहुतो दिन सं चलि रहल शिक्षकक आंदोलनक सरकार अनदेखी कए रहल अछि। रेजाल्लाह कहलनि जे, सरकर अपन हठधर्मिता छोड़िकए शिक्षकक जायज मांग पर गंभीरता सं विचार करय। ओ माध्यमिक शिक्षकक गिरफ्तारीक घोर निंदा करैत कहली जे, आंदोलनकारी गिरफ्तार शिक्षककें अविलंब रिहा कएल जाए। ओ कहलनि जे, मुख्यमंत्री स्वं वेतनमान देबाक घोषणा अछि, मुदा एक साल बीतलाक बादो एकरा लागू नहि करब सरकारक नीयतकें दर्शाबैत अछि।

    सभाकें सरफराज आलम, अमर कुमार चौधरी, राम लगन सरदार, संतोष कुमार चौधरी, सियाराम राय, उगंत कुमार यादव, विजय कुमार मंडल, उषा कुमारी, कृष्णा पासवान, फूल कुमार झा, सगीर अहमद, कामोद कुमार यादव आदि संबोधित केलनि।