कुलपति कहलनि, देशमे प्रतिभाक कमी नहि प्लेटफॉर्मक अभाव अछि

    0
    261

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिना विज्ञानकें कोनो देशक संपूर्ण विकास संभव नहि अछि। एतयकें विद्यार्थीमे प्रतिभाक कोनो कमी नहि अछि, परंतु सही प्लेटफॉर्मक अभावमे विद्यार्थी पिछड़ि जाइत अछि। विज्ञानक छात्रकें उचित संसाधन भेटनाई जरुरी अछि। ताकि देश, क्षेत्र आदि’क विकास भय सकय। उक्त बात ‘नेशनल साइंस डे’के अवसर पर स्वयंसेवी संस्था डॉ. प्रभात दास फाउण्डेशन एवं भौतिकी विभाग, सीएम साइंस कॉलेज दरभंगाके संयुक्त तत्वावधानमे आयोजित ‘पेल्टियर इफेक्ट एंड इट्स एप्लिकेशनस’ विषयक सेमिनारकें संबोधित करैत लनामिविविके कुलपति प्रो. राजकिशोर झा कहलनि।

    ओ कहलनि जे, साइंसक विद्यार्थीकें समुचित संसाधन ससमय भटय, एकर व्यवस्था कएल जा रहल अछि। बीज भाषण दैत प्रख्यात वैज्ञानिक डॉ. मानस बिहारी वर्मा कहलनि जे, पेल्टियर इफेक्टके क्षेत्रमे भारत बहुत पाछु अछि। अहि क्षेत्रमे अनुसंधान’क जरूरत अछि। एकर कोनो साइड इफेक्ट नहि होइत अछि। एकर प्रयोग सं क्रांतिकारी बदलाव अबैत अछि।

    विश्वके विकसित देशमे पेल्टियर इफेक्ट सं बनल वस्तुक प्रयोग धड़ल्ले सं कएल जा रहल अछि। भारतमे सेहो यदि अहि पर काज कएल जाय त ने सिर्फ ओजोन परतक रक्षा होएत बल्कि अहि सं बनल सामानक निर्यात कय विदेशी मुद्राक अर्जन सेहो कएल जा सकैत अछि।