बसक ठोकर सं मोटरसाइकिल सवार’क मौत

    0
    280

    मधुबनी, मिथिला मिरर: साहरघाट-बेनीपट्टी मुख्य सड़क पर बसवरिया स्थित पेट्रोल पम्पक समीप बुधदिन साँझमे धर्मराज नामक बसक ठोकर सं 40 वर्षीय मोटरसाइकिल सवारक मौत भए गेल। मृत युवक मधवापुर थाना क्षेत्रक बिहारी गाम निवासी स्व. रामदेव लाल दासक पुत्र गणेश लाल बताओल जा रहल अछि। ओ मोटरसाइकिल सं बेनीपट्टी थानाक बेतौना गाम स्थित अप्पन पैघ भाई’क सासुर जा रहल छल।

    घटनाक सूचना पर पहुंचल साहरघाट थाना पुलिस दुर्घनाग्रस्त बस व मोटरसाइकिलकें अप्पन कब्जामे लय गंभीर रूप सं जख्मी युवककें इलाजक लेल बेनीपट्टी लए जा रहल छल। जाहि दौरान युवकक मौत रस्तेमे भए गेल। पुलिस युवकके लहस पोस्टमार्टमक लेल सदर अस्पताल मधुबनी पठा देलक अछि तथा मामलाक जांच शुरू कए देलक अछि। पुलिसके पहुंचला सं पूर्व बसक चालक, कंडक्टर व खलासी फरार भए गेल।

    बस एवं मोटरसाइकिलकें जब्त कय मामलाक जांच शुरू कय देल गेल अछि। एम्हर घटनाक लय जनप्रतिनिधि, प्रखंड पदाधिकारी एवं आमजन दुख व्यक्त केलनि अछि।