एलएनएमयू’क दीक्षांत समारोह मे पहिल बेर भेटत सोनाक मेडल

    0
    299

    दरभंगा, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्व विद्यालय पहिल बेर दीक्षांत समारोहक मौका पर टॉपर छात्र के शुद्ध सोनाक मेडल देबाक निर्णय लेलक अछि। ई निर्णय शुक्रदिन वीसी प्रो. एस कुशवाहा’क अध्यक्षता मे भेल विवि पदाधिकारीक बैसक मे लेल गेल। कुलसचिव डॉ. अजीत कुमार कहलनि जे, बैसक मे मुख्य रूप स दीक्षांत समारोह मे होबय वला व्यय पर विस्तार स चर्चा भेल।

    पदाधिकारीक विचार छल जे, अहि समारोह मे कम स कम खर्च हेबाक चाही। ताहि दुआरे विभिन्न मद मे करीब 50 लाख रुपैया व्यय करबा पर सहमति बनल। ज्ञात हो कि अहि सं पहिने दीक्षांत समारोह मे 1.23 करोड़क करीब व्यय कायल जाइत छल। ताहि दुआरे विवि प्रशासन अहि बेर व्यय मे कटौती करबाक निर्णय लेलक अछि।

    मौका पर प्रो. एस मुमताजुद्दीन, एफए गुलाम मोइनउद्दीन, डीएसडब्ल्यू डॉ. भोला चौरसिया, सीसीडीसी डॉ. मुनेश्वर यादव, परीक्षा नियंत्रक डॉ. कुलानंद यादव, दूरस्थ शिक्षा के निदेशक डॉ. एएन कार गुप्ता, सहायक निदेशक डॉ. विजय कुमार, प्रेस पदाधिकारी डॉ. भवेश्वर साह, लोक सूचना पदाधिकारी डॉ. एनके अग्रवाल आदि मौजूद छलाह।