उदयशंकर चौधरी ‘अखिल भारतीय ब्राह्मण महासंघकें’ बिहार प्रदेशक अध्यक्ष बनाओल गेलाह

    0
    314

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: मंगलदिन कोच्चिमे आयोजित ‘अखिल भारतीय ब्राह्मण महासंघकें’ कार्यसमितिक बैसक कएल गेल। जाहिमे सम्पूर्ण भारतके अलग-अलग राज्य सं बहुत रास कार्यकर्ताक उपस्थिति छल। अहि बैसकमे दरभंगा जिला अन्तर्गत हायाघाट प्रखण्डके सहोरा आनंदपूर पंचायतक माखनपूर निवासी उदयशंकर चौधरीकें बिहार प्रदेशक अध्यक्ष बनाओल गेल। जाहि सं बिहार समेत पूरा मिथिलांचलमे एकटा खास वर्गक बीच ख़ुशी’क लहरि अछि।

    फोनक माध्यम सं चौधरी अप्पन प्रशंसककें बधाई देलनि। मिथिला मिरर सं बातचीतमे चौधरी कहलनि जे, ई पूर्ण रूपें गैर राजनीतिक संगठन अछि। मिथिलांचल समेत पूरा बिहारक ब्राह्मणकें सब राजनितिक दल एखन धारी ठकबाक काज केलक अछि।

    राजनितिक पार्टी’क उपेक्षाकें कारण ब्राह्मण वर्गक स्थिति दिनोदिन दयनीय भए रहल अछि। ओ कहलनि जे, हम पूर्ण निष्ठा सं ब्राह्मणक उत्थान हेतु प्रयास करब। ब्राह्मणक विलुप्त होईत संस्कारकें पुनर्स्थापित करबाक संग-संग वेद एवं संस्कृतक पढ़ाई शुरू करनाइ हमर प्राथमिकता अछि।