दरभंगा मे हाई प्रोफाइल सेक्स रैकेटक खुलासा

    0
    698

    दरभंगा, मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झा: दरभंगा पुलिस शहर मे चलि एकटा सेक्स रैकेटक भंडाफोड़ केलक अछि। बताओल जा रहल अछि जे, ई सेक्स रैकेट एकटा लॉज मे चलाओल जा रहल छल। लॉज मे बाहर स लड़की आनल जाईत छल आ ग्राहकक संग सौदा कय निर्धारित कमरा मे भेजल जाईत छल।

    सूत्रक अनुसार पुलिस के अहि बातक गुप्त सूचना भेटल जे, अल्लपट्टी मोहल्लाक ललन लॉज मे एहेन घिनौना कार्य कायल जा रहल अछि। जकरा बाद लहेरियासराय पुलिस अचानक छापेमारी कय लॉज स दू टा महिला आ दू टा पुरुष के आपत्तिजनक अवस्था मे गिरफ्तार केलक।

    लॉज स पुलिस के बहुत रास आपत्तिजनक सामग्री भेटल। पुलिस हालांकि एखन धरि खुलासा नहि केलक जे लॉज स कोन सामानक बरामदगी कायल गेल। घटना के बाद पुलिस लॉजक आस पास रहय बला लोक सब स पूछ-ताछ कय रहल अछि। ओतहि स्थानीय लोकक कहब अछि जे, ई लॉज पहिनहु स एहि तरहक घटनाक लेल बदनाम अछि।

    दरभंगा जिलाक एसपी मीडिया स बातचीत मे कहलनि जे, सूचना भेटलाक बाद महिला पुलिसक नेतृत्व मे एकटा टीमक गठन कय अहि धंधा मे लिप्त चारि गोटे के गिरफ्तार कायल गेल। ओतहि गिरफ्तार व्यक्ति अपना आप के निर्दोष बतौलनि। दरभंगा पुलिस मामलक छानबीन मे जुटि गेल अछि।