प्रधानाध्यापककें देल गेल मध्याह्न भोजन’क प्रशिक्षण

    0
    257

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाक शिवाजीनगर प्रखंड साधनसेवी केन्द्रमे बृहस्पति दिन प्रखंडक सब 126 प्रा.वि, उमवि एवं मविकें प्रधानाध्यापककें एक दिनी मध्याह्न भोजन योजनाक प्रशिक्षण देल गेल। समितिक निर्देशानुसार प्रशिक्षण कार्यक्रमकें बीईओ रामप्रवेश सिंह, पूर्व बीआरपी बालमुकुंद सिंह, बीआरपी प्रीतम प्रकाश, प्रशिक्षक सत्यनारायण सहनी एवं लेखापाल पंकज कुमार संयुक्त रूप सं दीप प्रज्वलित कय उद्घाटन केलनि।

    बीईओ रामप्रवेश सिंह प्रधानाध्यापककें संबोधित करैत कहलनि जे, प्रधानाध्यापक प्रत्येक दिन विद्यालयकें छात्र-छात्राकें मेनूक अनुसार मध्याह्न भोजन देनाइ सुनिश्चित करथि। ओ कहलनि जे, विद्यालय प्रधान सहित सहायक शिक्षक सुनिश्चित करथि जे, सब बच्चाकें भोजन सं पहिने हाथ धुलाओल जाए। प्रशिक्षक सत्य नारायण सहनी कहलनि जे, मध्याह्न भोजनकें विद्यालयक शिक्षक एवं शिक्षा समितिक सदस्यकें नियमित ढ़ंग सं चिखबाक चाही।

    मौके पर प्रधानाध्यापक दयानन्द सिंह, ब्रजेश चौधरी, रामशरण मंडल, बब्लू कुमार, विनोद कुमार, श्याम लाल राय, राम सुवास सिंह, शशि कुमार, आलोक कुमार, वीणा कुमारी, वीणा कुमारी, उषा कुमारी, बीआरपी विश्वनाथ सिंह, पवन कुमार सिंह, चन्द्रनारायण सिंह, रामाकांत राम, गणेश नारायण राय, मनोज कुमार सहनी, गणेश मंडल सहित अन्य शिक्षक मौजूद छलाह।